Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

बाढ़िक पानि मे स्नान करबाक दौरान फल विक्रेताक डूबि कए मृत्यु

Avatar
By Samadiya Mithila
September 9, 2026 2 Min Read
0

गोताखोर सभ शव कें बाहर निकाललनि, घर मे मचल कोहराम

 

विद्यापतिनगर, समदिया

बाया नदी मे आयल बाढ़ि आब जानलेवा साबित होमय लागल अछि। बुधदिन भोर थाना क्षेत्रक बढ़ौना घाट पर तखन चीख-पुकार मचि गेल, जखन स्नान करबाक लेल गेल 60 वर्षीय महेंद्र महतो अनचोके गहीर पानि मे चलि गेलाह आ डूबि गेलाह। बहुत तलाशक बाद स्थानीय गोताखोर सभ हुनकर शव नदी सं बाहर निकाललनि। घटना खबरि भेटिते परिवार मे कोहराम मचि गेल। स्वजनक कानि-कानि कए खराब हाल अछि। मृतकक पहचान बढ़ौना गामक वार्ड संख्या-7 निवासी महेंद्र महतोक रूप मे भेल अछि। ओ बढ़ौना घाट पर वर्षो सं फल दोकान चलबैत छलाह। स्थानीय लोकक अनुसार, बुधदिन भोर करीब आठ बजे ओ स्नान करबाक लेल बाया नदीक घाट पर पहुंचल छलाह। नदी मे बाढ़िक पानि रहबाक कारण सामान्य दिनक अपेक्षा जलस्तर बहुत बेसी छल। स्नान करबाक दौरान ओ पानिक गहीर हिस्सा मे चलि गेलाह आ डूबि गेलाह।

महेंद्र महतोक डूबबाक जानकारी भेटिते घाट पर मौजूद लोक सभ शोर मचाबय लगलाह। किछुए देर मे आसपासक ग्रामीण घटनास्थल पर जुटि गेलाह। बाढ़िक पानिक गहिराइ आ तेज बहावक कारण तत्काल हुनकर कोनो पता नहि चलि सकल। तकर बाद स्थानीय गोताखोर सभ कें बजाओल गेल। गोताखोर सभ नदी मे उतरि बहुत देर धरि तलाश कएलनि। बहुत मशक्कतक बाद हुनकर शव नदी सं बाहर निकालल गेल। शव घाट पर पहुंचैत स्वजनक चीख-पुकार सं माहौल गमगीन भए गेल। ग्रामीण सभ बतौलनि जे महेंद्र महतो लंबा समय सं बढ़ौना घाट पर फल दोकान चलबैत छलाह। एहि दोकानक आमदनी सं परिवारक भरण-पोषण होइत छल। रोजक तरह बुधदिन भोर मे सेहो ओ घर सं निकलल छलाह। परिवार कें की पता छल जे किछुए देर बाद हुनकर मृत्यु केर खबरि घर पहुंचत।

महेंद्रक मृत्यु केर खबरि भेटिते हुनकर घर पर ग्रामीणक भीड़ जुटि गेल। पत्नी आ अन्य स्वजनक रो-रो कए बुरा हाल अछि। परिवारक सदस्यक चीत्कार सं पूरा गामक माहौल गमगीन भए गेल। घटनाक सूचना भेटिते विद्यापतिनगर थाना पुलिस घटनास्थल पर पहुंचली। पुलिस बरामद शवक संबंध मे आवश्यक प्रक्रिया पूरा कए पोस्टमार्टम लेल सदर अस्पताल, समस्तीपुर पठा देलक। थानाध्यक्ष सूरज कुमार कहलनि जे बाया नदी मे स्नान करबाक दौरान गहीर पानि मे चलि जेबाक कारण महेंद्र महतोक डूबि कए मृत्यु भेल अछि। पुलिस शव कें पोस्टमार्टम लेल पठा आवश्यक कारबाइ शुरू कए देलक अछि। ग्रामीण सभक कहब अछि जे बाढ़िक बीच नदी आ घाट सभ पर पानिक गहिराइ आ बहाव बढ़ि गेल अछि। एहि कारण दुर्घटनाक खतरो बढ़ि गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#BiharFlood#FloodNews#MaithiliNews#SamastipurNews#Vidyapatinagar#बाया_नदीसमस्तीपुर
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मिथिलाक कलाक कायल भेल निर्वाचन आयोग, दिल्ली दरबार मे सजत 50 मधुबनी पेंटिंग

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech