Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Avatar
By Samadiya Mithila
September 16, 2026 1 Min Read
0

 

पटना आ पूर्णियाक 3 ठिकाना पर जांच, आय सं बेसी संपत्तिक आरोप

 

पटना। पटना मे विजिलेंस बुधदिन भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंता सत्येंद्र कुमार चौधरीक विरुद्ध पैघ कारबाइ कएलक अछि।

आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप मे विजिलेंस टीम हुनकर तीनटा ठिकाना पर एक संग तलाशी अभियान चला रहल अछि। एहि मे पूर्णियाक दूटा आ पटना स्थित एकटा ठिकाना शामिल अछि।

पटना आ पूर्णिया मे चलि रहल तलाशी

पटना मे जतय दू ठाम छापेमारी चलि रहल अछि, ताहि मे एकटा शास्त्री नगर थाना क्षेत्र अंतर्गत सी-11, कृषि नगर, शेखपुरा स्थित आवास अछि। ई जी+3 बिल्डिंग स्ट्रक्चर अछि।

दोसर आवास पटना एम्स सं करीब एक किलोमीटर पहिने इंडियन बैंकक लग स्थित स्वाति भवन अछि। ई जी+5 बिल्डिंग स्ट्रक्चर अछि, जकर कीमत करीब 10 करोड़ टाका आकलन कएल गेल अछि।

एकर अतिरिक्त पूर्णिया मे सेहो विजिलेंसक अलग-अलग टीम तीनू ठिकाना पर पहुंचि कए दस्तावेज आ संपत्ति सं जुड़ल कागजातक जांच कए रहल अछि।

तलाशी दौरान आय आ संपत्ति सं संबंधित दस्तावेजक संग अन्य महत्वपूर्ण कागजातक सेहो पड़ताल कएल जा रहल अछि।

आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक आरोप

सत्येंद्र कुमार चौधरी पर आरोप अछि जे ओ अपन ज्ञात आयक स्रोतक तुलना मे बेसी संपत्ति अर्जित केने छथि। एहि आरोपक जांचक अंतर्गत निगरानी अन्वेषण ब्यूरोक दिस सं ई कारबाइ कएल जा रहल अछि।

फिलहाल तीनू ठिकाना पर तलाशी अभियान जारी अछि। निगरानी विभागक कारबाइ पूरा भेलाक बाद बरामदगी आ संपत्ति सं संबंधित विस्तृत जानकारी सामने आबयबाक उम्मीद अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

अधीक्षण अभियंता पर कार्रवाईआय सं बेसी संपत्तिनिगरानी अन्वेषण ब्यूरोपटना छापेमारीपटना विजिलेंस छापापूर्णिया छापेमारीपूर्णिया विजिलेंस रेडबिहार विजिलेंसभवन निर्माण विभाग विजिलेंस रेडसत्येंद्र कुमार चौधरी
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

बिहार मे बाढ़िक केंद्रीय मंत्री शिवराज कएलनि जायजा

Next

20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर
  • मुजफ्फरपुरक मसाज सेंटर मे देह व्यापारक खुलासा, 6 महिला हिरासत मे

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर
  • मुजफ्फरपुरक मसाज सेंटर मे देह व्यापारक खुलासा, 6 महिला हिरासत मे

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech