Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

अतिक्रमण पर चलल नगर परिषदक बुलडोजर, नाला भेल मुक्त

Avatar
By Samadiya Mithila
August 29, 2026 1 Min Read
0

 

  • वार्ड 7 आ 14 मे तीन घंटा चलल अभियान

झंझारपुर, समदिया

झंझारपुर शहर मे नाला आ सार्वजनिक जमीन पर कब्जा करय बला लोकक विरुद्ध नगर परिषद प्रशासन एक बेर फेर बुलडोजर कारबाइ शुरू कए देलक अछि। शनिदिन वार्ड नंबर-7 आ 14 सं होइत मुख्य पथ पर सरस्वती शिशु विद्या मंदिर विद्यालय सं ब्रह्मस्थानक बीच बनल नाला कें अतिक्रमण मुक्त कराओल गेल। नगर परिषदक कारबाइ शुरू होइतहि अतिक्रमणकारी सभ मे हड़कंप मचि गेल। नगर परिषदक दल बुलडोजरक सहायता सं नाला पर कएल गेल अस्थायी आ स्थायी अतिक्रमण कें हटौलक। करीब तीन घंटा सं बेसी समय धरि चलल अभियानक दौरान नालाक जमीन कें खाली कराओल गेल, जाहि सं जलनिकासी व्यवस्था कें सुचारू बनाओल जा सकय। काफी समय सं अतिक्रमणक कारण नालाक अस्तित्व पर संकट उत्पन्न भए गेल छल आ बरसातक समय जलजमावक समस्या सेहो होइत छल। अतिक्रमण हटेबाक दौरान कोनो प्रकारक विरोध अथवा विवाद नहि हो, एहि लेल घटनास्थल पर पुलिस बलक सेहो तैनाती कएल गेल छल। नगर परिषद प्रशासन स्पष्ट कएलक अछि जे सार्वजनिक नाला, सड़क अथवा अन्य सरकारी जमीन पर कब्जा करय बला लोकक विरुद्ध अभियान आगू सेहो जारी रहत। अभियानक नेतृत्व स्वच्छता पदाधिकारी दीपक कुमार आ सिटी मैनेजर संजय कुमार कएलनि। एहि दौरान शंकर महतो, प्रवीण झा सहित नगर परिषदक कर्मी आ पुलिस बलक जवान उपस्थित छलाह। प्रशासनक एहि कारबाइ सं शहर मे अतिक्रमणक विरुद्ध चलि रहल अभियान कें लए कए लोकक बीच चर्चा तेज भए गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

कॉमनवेल्थ खेल मे स्वर्ण-ब्रॉन्ज पदक जीतनिहार खेलाड़ी सम्मानित

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech