कॉमनवेल्थ खेल मे स्वर्ण-ब्रॉन्ज पदक जीतनिहार खेलाड़ी सम्मानित
झंडू कें 15 आ सोमन कें 30 लाखक चेक देलनि मुख्यमंत्री
पटना, समदिया
पटना मे राष्ट्रीय खेल दिवसक अवसर पर शनिदिन मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कॉमनवेल्थ गेम्स-2026 मे पदक जीतनिहार पैरा खेलाड़ी सोमन राणा आ झंडू कुमार कें सम्मानित केलनि। सोमन राणा कें स्वर्ण पदक लेल 30 लाख आ झंडू कुमार कें कांस्य पदक लेल 15 लाख टकाक चेक देल गेल। कार्यक्रम लोकसेवक आवास स्थित संकल्प सभागार मे आयोजित छल।
दुनू खेलाड़ी अपन शानदार प्रदर्शन सं बिहार आ देशक गौरव बढ़ौलनि। मुख्यमंत्री दुनू कें हुनकर उज्ज्वल भविष्य लेल शुभकामना देलनि। गयाजी निवासी सोमन राणा अपन खेल जीवनक शुरुआत बॉक्सिंग सं केने छलाह। बाद मे ओ भारतीय सेना मे भर्ती भेलाह। 2006 मे जम्मू-कश्मीरक पुंछ मे सेवाक दौरान लैंडमाइन विस्फोट मे हुनकर दहिना पैर चलि गेल। मुदा ओ हिम्मत नहि हारलनि आ पैरा एथलेटिक्स मे डेग रखलनि। कड़ा मेहनत आ अभ्यासक बाद कॉमनवेल्थ गेम्स-2026 मे पुरुष एफ 57 शॉट पुट मे स्वर्ण पदक जीतलनि। एहि उपलब्धिक संग ओ राष्ट्रमंडल खेल मे एहि स्पर्धाक स्वर्ण जीतनिहार भारतक पहिल खेलाड़ी बनलाह।
ओतहि नालंदाक हरनौत निवासी झंडू कुमार नेनपन मे पोलियो सं प्रभावित भेल छलाह। आर्थिक कठिनाइक बादो ओ खेलक प्रति अपन लगाव नहि छोड़लनि। कॉमनवेल्थ गेम्स-2026 मे पुरुष पैरा पावरलिफ्टिंग मे कांस्य पदक प्राप्त केलनि।