Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

देश-दुनिया

सीईसी पद सं हटाओल जेता ज्ञानेश कुमार, मोदी-शाह पर होयत कारबाइ : राहुल गांधी

Avatar
By Samadiya Mithila
November 1, 2026 3 Min Read
Comments Off on सीईसी पद सं हटाओल जेता ज्ञानेश कुमार, मोदी-शाह पर होयत कारबाइ : राहुल गांधी

 

 

  • इंडिया गठबंधनक रैली मे राहुल गांधी लगौलनि वोट चोरीक आरोप

  • कहलनि, संविधान नष्ट करबाक अनुमति ककरो नहि देब

 

नई दिल्ली, एजेंसी

राजधानी दिल्लीक रामलीला मैदान मे इंडिया गठबंधनक रैलीक दौरान कांग्रेस नेता राहुल गांधी भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) पर जमि कए निशाना साधलनि। लोकसभाक नेता प्रतिपक्ष चुनाव मे वोट चोरी होयबाक आरोप लगौलनि। ओ कहलनि जे देश मे कतेको वर्ष सं वोट चोरी होइत रहल अछि। मध्य प्रदेश, हरियाणा, छत्तीसगढ़, महाराष्ट्र आ कर्नाटकक विधानसभा चुनावक संग 2024 केर लोकसभा चुनाव मे सेहो वोट चोरी भेल अछि।

राहुल गांधी आरोप लगौलनि जे इलेक्ट्रॉनिक वोटिंग मशीन (ईवीएम) केर माध्यम सं वोट मे गड़बड़ी कयल गेल। एकर अतिरिक्त मतदाता सूची सं लोकसभाक नाम हटा कए आ नव नाम जोड़ि चुनावी प्रक्रिया कें प्रभावित कयल गेल।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह पर निशाना साधैत राहुल कहलनि जे अमित शाह कहने छलाह जे नरेंद्र मोदी कतहु जायबला नहि छथि, मुदा ओ एकर उलट कहैत छथि जे मोदी कतहु जा नहि सकैत छथि। जं ओ जेबाक सोचबो करता तं हुनका जाय देल नहि जायत। राहुल गांधी कहलनि जे मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमारक बाद ओ सीधा प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आ हुनकर सरकारक सामना करताह। एहि लोकसभक विरुद्ध कानूनी कारबाइ कयल जायत। ओ कहलनि जे प्रधानमंत्री मोदी आ गृह मंत्री अमित शाह मोन राखथि, अहां कतहु जा नहि सकैत छी। ज्ञानेश कुमार कें मुख्य चुनाव आयुक्तक पद सं हटाओल जायत आ मोदी-शाह पर सेहो कारबाइ होयत।

मोदी-शाह-ज्ञानेश सं हमरा सभ कें घृणा नहि

राहुल गांधी कहलनि जे हुनका प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी, अमित शाह अथवा मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार सं कोनो घृणा नहि अछि। ओ कहलनि जे हुनका सभक सोच घृणाक नहि, बल्कि मोहब्बतक अछि आ ओ अहिंसा मे विश्वास रखैत छथि। हुनका लेल केओ दुश्मन नहि छथि – ने नरेंद्र मोदी, ने अमित शाह आ ने ज्ञानेश कुमार। मुदा देशक प्रत्येक नागरिकक आवाज हुनका लेल सभ सं बेसी महत्त्वपूर्ण अछि। ई आवाज हुनकर धर्म सं सेहो ऊपर अछि।

ओ कहलनि जे ओ हिंसा नहि करताह, ककरो नोकसान नहि पहुंचौताह आ घृणा नहि पसारताह। ओ मोहब्बतक संग काज करताह। मुदा संविधान कें नष्ट करबाक अनुमति ओ ककरो नहि देताह।

ज्ञानेशक बिना प्रधानमंत्री नहि बनि पबितथि मोदी

राहुल गांधी मुख्य चुनाव आयुक्त ज्ञानेश कुमार पर हमला जारी रखैत कहलनि जे देशक प्रत्येक नागरिक आ युवा सभ सं कहय चाहैत छथि जे ज्ञानेश कुमार कें मुख्य चुनाव आयुक्तक पद सं हटाओल जायत आ हुनका जेल जाय पड़तनि। राहुल आरोप लगौलनि जे ज्ञानेश कुमार नहि रहितथि तं नरेंद्र मोदी प्रधानमंत्री आ अमित शाह गृह मंत्री नहि बनि पबितथि। ओ कहलनि जे देशक किसान कें हुनकर अधिकार नहि भेटि रहल अछि आ युवा सभक लेल रोजगार नहि अछि। मजदूर सेहो अपन अधिकार सं वंचित छथि, जखन कि देशक समस्त संपत्ति दू-तीन लोकक हाथ मे सिमटि गेल अछि। राहुल कहलनि जे ओ एहन भारत नहि चाहैत छथि आ देश मे एहन व्यवस्था कें स्वीकार नहि करताह।

बाक्स

राहुलक रामलीला रैली 1984क पीड़ितक घाव पर नून छीटबा : अमित शाह

केंद्रीय गृह मंत्री अमित शाह 1984क सिख-विरोधी दंगाक बरसी पर 1 नवंबर कें दिल्लीक रामलीला मैदान मे इंडिया गठबंधनक रैली आयोजित करबाक लेल कांग्रेस पर निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे एहि दिन रैली करब दंगा पीड़ित आ हुनकर परिवारक पुरान घाव पर नून छीटबाक समान अछि। शाह कहलनि जे 1 नवंबर 1984 कें दिल्लीक सड़क पर हजारो निर्दोष सिखक हत्या कयल गेल छल। कतेको परिवार उजड़ि गेल, लोक सभ कें जिंदा जरा देल गेल आ बच्चा अनाथ भए गेल। ओ तत्कालीन प्रधानमंत्री राजीव गांधीक विवादित बयान -जखन कोनो पैघ गाछ खसैत अछि तं धरती हिलैत अछि केर उल्लेख करैत कांग्रेस पर संवेदनहीनताक आरोप लगौलनि। ओ कहलनि जे 2014 मे नरेंद्र मोदी सरकार बनलाक बाद दंगाक बंद पड़ल मामिला फेर खोलल गेल पीड़ित परिवार कें 5-5 लाख टाका मुआवजा देल गेल आ दोषी कांग्रेस नेता सभ पर कारबाइ कयल गेल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

सड़कक दुर्दशा पर ग्रामीणक अद्भुत विरोध,  सांसद, विधायक आ मंत्रीक नाम पर रखलनि खदहाक नाम

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech