दरभंगा मे पुलिस टीम पर हमला, वाहन मे तोड़फोड़, एएसआइ घायल
घायल आरोपी कहलनि, चलैत गाड़ी सं बाहर फेंकल गेल
दरभंगा सं नवीनक रिपोर्ट
दरभंगा मे एकटा आरोपित कें पकड़बा लेल गेल पुलिस टीम पर ग्रामीण सभ द्वारा हमला आ रोड़ेबाजी करबाक मामिला सामने आयल अछि। अजय कुमार पासवान कें गिरफ्तार करबाक लेल पहुंचल पुलिस टीम पर रोड़ेबाजी मे पुलिस वाहनक शीशा फुटि गेल आ एएसआई राजेश सिंह घायल भए गेलाह। एहि बीच आरोपित अजय कुमार पासवान पुलिस वाहनक पाछांक शीशा तोड़ि चलैत गाड़ी सं बाहर कूदबाक प्रयास केलनि, जाहि मे ओ घायल भए गेलाह।
डीएमसीएच मे इलाज करा रहल अजय कुमार पासवान अपना कें निर्दोष बतबैत कहलक जे एक दिन पहिने मनीगाछी पुलिस तीन युवक कें निशाक हालति मे पकड़ि कए लए जा रहल छल। ग्रामीण सभक संग मिलि ओ युवक सभ कें पुलिसक कब्जा सं छोड़ौने छलाह आ घटनाक वीडियो सेहो बनेने छलाह। हुनकर कहब अछि जे ओहि दिन पुलिस हुनका गिरफ्तार करबाक धमकी देने छल। अजय पुलिस पर जाति सूचक गारि देबाक आ माइरपीट करबाक आरोप लगौलनि। हुनकर अनुसार पुलिस वाहनक शीशा तोड़ि हुनका बाहर फेंकि देल गेल।
ओतहि बेनीपुर एसडीपीओ बासुकीनाथ झा आरोप सभ कें निराधार बतौलनि। हुनकर अनुसार तीन युवक कें निशाक हालति मे पकड़ल गेल छल, मुदा अजय आ किछु ग्रामीण हुनका पुलिसक कब्जा सं छोड़ा लेने छलाह। एहि मामिला मे प्राथमिकी दर्ज भेल आ अजयक गिरफ्तारी लेल पुलिस बघांत गाम पहुंचल छल।
एसडीपीओ कहलनि जे ओतहि पुलिस टीम कें घेरि कए हमला आ रोड़ेबाजी कएल गेल, जाहि मे वाहन क्षतिग्रस्त भेल आ एएसआई घायल भेलाह। अजय कें लाबैत काल ओ गाड़ी सं खसलाह अथवा हुनका संग दुर्व्यवहार भेल, ई जांचक विषय अछि। जांच पूरा भेलाक बाद दुनू पक्षक आरोपक वास्तविकता स्पष्ट होयत।