Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

करमा-धरमा पूजाक समय 8 बच्चाक डूबला सं मृत्यु

Avatar
By Samadiya Mithila
September 21, 2026 2 Min Read
0

 

 

  • सुल्तानगंज मे 6 गोटेक डूबि कए मरल, कजरैली मे 2 बच्चीक भेटल शव

 

प्रदीप विद्रोही, भागलपुर

करमा-धरमा पर्वक तैयारीक बीच भागलपुर मे सोमदिन 8 परिवार लेल एहन पीड़ादायक दिन बनि गेल, जे ओ सभ कहियो नहि बिसरि सकत। सुल्तानगंज मे पूजा लेल पोखरि मे स्नान आ फूल तोड़बाक क्रम मे 6 गोटेक डूबि कए मृत्यु भए गेल, तं कजरैली मे पूजा लेल नहाय आ फूल चुनय गेल 2 मासूम बच्ची लापता भए गेली आ दोसर दिन हुनकर शव पोखरि मे भेटल। दुनू घटना सं क्षेत्र मे शोकक माहौल पसरि गेल अछि। जिनका घर मे पर्वक गीत गूंजबाक छल, ओतय आब चीत्कार आ शोक पसरि गेल अछि।

सुल्तानगंज प्रखंडक उधाडीह गाम मे करमा-धरमाक तैयारीक बीच ई हृदयविदारक घटना भेल। पूजा लेल पोखरि मे स्नान आ फूल तोड़बाक दौरान 6 लोक डूबि गेलाह। मृतकक पहिचान ज्योति कुमारी, अमित कुमार, आयुष कुमार, राहुल कुमार, पूजा कुमारी आ विकास कुमारक रूप मे भेल अछि। अमित, आयुष, राहुल, पूजा आ विकास सुल्तानगंज नगर परिषद क्षेत्रक विष्णु टोला, वार्ड संख्या-27क निवासी बताओल गेल छथि। मृत सभक उम्र 12 सं 14 वर्षक बीच बताओल जा रहल अछि।

घटनाक सूचना भेटिते स्थानीय प्रशासन आ पुलिसक दल घटनास्थल पर पहुंचि राहति-बचाव कार्य शुरू कएलक। मुदा छओ गोटेक प्राण नहि बचाओल जा सकल। शव कें पोस्टमार्टम लेल पठा देल गेल अछि।

ओतहि कजरैली थाना क्षेत्रक गौराचौकी हरिजन टोला मे रविदिन दुपहर करमा-धरमा पूजाक लेल नहाय आ फूल चुनय गेल दू नाबालिग बच्ची देर सांझ धरि घर नहि लौटल। परिजन आ ग्रामीण सभ राति भरि हुनकर खोज करैत रहलाह। सोमदिन भोर मे पोखरि मे दुनूक शव भेटलाक खबरि सं इलाका मे कोहराम मचि गेल।

मृत बच्चीक पहिचान मुन्ना दासक 12 वर्षीय बेटी रुपाली कुमारी आ मुकेश दासक 10 वर्षीय बेटी सरिताक रूप मे भेल अछि। दुनू गामक विद्यालय मे पांचम कक्षाक छात्रा छल। रुपाली चारि बहिन आ एक भाइ मे छल। हुनकर पिता राजमिस्त्री छथि। सरिता सात भाइ-बहिन मे छल आ हुनकर पिता हलुआईक काज करैत छथि। शव घर पहुंचिते दुनू परिवार मे चीत्कार मचि गेल।

परिजन बच्चीक मुंह सं खून निकलल आ शरीर पर हल्का चोटक निशान होयबाक बात कहलनि, मुदा पुलिस एकर पुष्टि नहि केने अछि। मृत्यु कए वास्तविक कारण पोस्टमार्टम रिपोर्ट अयलाक बादे स्पष्ट भए सकत।

घटनाक सूचना पर कजरैली पुलिस घटनास्थल पर पहुंचल। बाद मे घटनास्थल बायपास थाना क्षेत्र मे होयबाक जानकारी भेटल। दुनू थाना क्षेत्रक पुलिस आवश्यक प्रक्रिया पूरा कए शव कें पोस्टमार्टम लेल पठौलक। जिला प्रशासन मृतकक परिजनक प्रति गहींर संवेदना व्यक्त करैत नियमानुसार सहायता उपलब्ध करबाक प्रक्रिया शुरू केने अछि। घटनाक अन्य तथ्यक सेहो जांच कएल जा रहल अछि। करमा-धरमाक खुशीक बीच भेल एहि दुनू घटना सं भागलपुरक कतेको परिवार गहींर सदमा मे छथि। कतहु बेटीक घर लौटबाक प्रतीक्षा मृत्यु समाचार मे बदलि गेल, तं कतहु पूजाक लेल घर सं निकलल लोक फेर वापस नहि आबि सकल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila#samadiyaMithilaबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

अवधेश नारायण सिंहक इस्तीफा, बिहार विधान परिषद सभापति पद जदयू कें जेबाक चर्चा

Next

‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech