Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

आचार संहिता उल्लंघन मामिला मे लालू यादव पर आरोप तय

Avatar
By Samadiya Mithila
November 6, 2026 2 Min Read
Comments Off on आचार संहिता उल्लंघन मामिला मे लालू यादव पर आरोप तय

 

  • लालू आरोप सं केलनि मना, 2011 केर अछि मामिला

  • कोर्टक बाद विधायक ओसामा ओतय पहुंचलाह लालू

 

सीवान, समदिया

राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केर राष्ट्रीय अध्यक्ष आ पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादवक आचार संहिता उल्लंघन मामिला मे बृहस्पति कें सीवानक एसीजे-1 अरविंद कुमारक न्यायालय मे पेशी भेल। करीब 11 बजे न्यायालय मे उपस्थित भेलाक बाद हुनका पर लगाओल गेल आरोपक सारांश पढ़ि सुनाओल गेल। लालू प्रसाद आरोप स्वीकार करबा सं मना कयलनि। न्यायालय मे पेशीक बाद ओ राजद विधायक ओसामा शहाबक घर गेलाह आ ओतय दिवंगत सांसद मोहम्मद शहाबुद्दीनक पत्नी हिना शहाब सं भेंट कयलनि।

ई मामिला 2011 केर विधानसभा चुनाव सं जुड़ल अछि। ओहि समय लालू प्रसाद केंद्र सरकार मे रेलमंत्री छलाह। 8 अक्टूबर 2011 कें ओ दरौंदा विधानसभा क्षेत्र मे राजद प्रत्याशी परमेश्वर सिंहक पक्ष मे चुनाव प्रचार करय गेल छलाह। आरोप अछि जे निषेधाज्ञा लागू रहबाक बादो बिना अनुमति ध्वनि विस्तारक यंत्रक उपयोग कए सभा आ भाषण कयल गेल छल।

तत्कालीन अंचलाधिकारी शंकर महतो एकरा आचार संहिताक उल्लंघन मानैत लालू प्रसाद यादव आ प्रत्याशी परमेश्वर सिंहक विरुद्ध दरौंदा थाना मे कांड संख्या 146/11 दर्ज करौने छलाह। एहि मामिलाक सुनवाइ सीवान न्यायालय मे चलि रहल अछि। लालू प्रसादक अधिवक्ता कामेश्वर तिवारी आ धीरेंद्र कुमार हुनकर उपस्थिति दर्ज करौलनि। आब एहि मामिला मे गवाहीक प्रक्रिया शुरू होयत।

पेशीक दौरान राजद एमएलसी विनोद जायसवाल, विधायक ओसामा शहाब, पूर्व विधानसभा अध्यक्ष अवध बिहारी चौधरी, शैलेंद्र प्रताप, जिलाध्यक्ष विपिन कुशवाहा सहित पार्टीक पैघ संख्या मे नेता आ कार्यकर्ता उपस्थित छलाह। एहि सं पहिने लालू प्रसाद पचरुखीक उमेद पैलेस मे पहुंचि राति बितौने छलाह। ओतय राति आ भोर मे पार्टीक नेता आ कार्यकर्ता हुनकर स्वागत कयलनि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

जानकीक नैहर सं सासुर धरि एहि मास सं चलत सीधा रेल, पीएम मोदी आ बालेन करता शुभारंभ

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech