मधेपुरा, समदिया : बिहारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार पदभार ग्रहण केलाक बाद लगातार स्वास्थ्य व्यवस्था मे अनियमितता आ लापरवाहीक मामिला पर कारबाइ करैत छथि। एहि क्रम मे मधेपुराक सिविल सर्जन डॉ. विजय कुमार कें पदक दुरुपयोग आ निजी अस्पताल तथा नर्सिंग होम सं धन उगाहीक आरोप मे निलंबित कए देल गेल अछि।
की अछि आरोप
मधेपुराक सिविल सर्जन डॉ. विजय कुमार पर आरोप छलनि जे ओ अपन पदक दुरुपयोग करैत निजी अस्पताल आ नर्सिंग होमक जांच तथा लाइसेंस सं जुड़ल मामिला मे टाका मांगैत छलाह। एहि बीच हुनकर टाका लैत एकटा वीडियो सेहो सार्वजनिक रूपें सामने आयल छल। मामिलाक जानकारी भेटलाक बाद मधेपुराक जिलाधिकारी अभिषेक रंजन एहि पर संज्ञान लेलनि।
जिलाधिकारी तत्काल तीन सदस्यीय जांच दलक गठन कए मामिलाक जांच करबाक निर्देश देलनि। जांच दल वीडियो सहित पूरा मामिलाक पड़ताल केलक। जांच दलक अनुसार वीडियो सही पाओल गेल आ सिविल सर्जन पर लगाओल गेल आरोपक पुष्टि सेहो भेल। जांच रिपोर्ट जिलाधिकारी कें सौंपलाक बाद ओ स्वास्थ्य मंत्री कें रिपोर्ट उपलब्ध करौलनि।
स्वास्थ्य मंत्री पहिनहि स्पष्ट कए चुकल छथि जे स्वास्थ्य विभाग मे कोनो प्रकारक लापरवाही आ भ्रष्टाचार सहन नहि कएल जायत। जांच रिपोर्टक आधार पर डॉ. विजय कुमार कें निलंबित कए देल गेल। हुनक निलंबन अवधि मे मुख्यालय स्वास्थ्य विभाग निर्धारित कएल गेल अछि। ओतहि डॉ. विपिन गुप्ता कें मधेपुराक सिविल सर्जनक प्रभार सौंपल गेल अछि।
सहरसा सदर अस्पताल मामिला मे सेहो कारबाइ
स्वास्थ्य विभाग सहरसा सदर अस्पताल सं जुड़ल एकटा मामिला मे सेहो त्वरित कारबाइ केलक अछि। विभाग सहरसा सदर अस्पतालक प्रभारी अधीक्षक डॉ. सुशील कुमार आजाद आ चिकित्सा पदाधिकारी डॉ. रोशन लाल कें तत्काल प्रभाव सं स्वास्थ्य विभाग, बिहार मुख्यालय मे योगदान करबाक निर्देश देलक अछि। दुनू अधिकारी सं एक सप्ताहक भीतर स्पष्टीकरण सेहो मांगल गेल अछि।
एहि मामिला मे सदर अस्पतालक अस्पताल प्रबंधक सिंपी कुमारी पर सेहो कारबाइ भेल अछि। हुनका अन्यत्र स्थानांतरित करैत अनुशासनिक कारबाइ लेल राज्य स्वास्थ्य समिति, बिहारक कार्यकारी निदेशक कें आवश्यक निर्देश देल गेल अछि।
पीएमसीएचक प्राचार्य पर सेहो भेल छल कारबाइ
एहि सं पहिने जून मास मे स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार पीएमसीएचक तत्कालीन प्राचार्य नरेंद्र प्रताप सिंहक विरुद्ध सेहो कारबाइ केने छलाह। कहल गेल छल जे स्वास्थ्य मंत्रीक पीएमसीएच मे पहिनहि निर्धारित कार्यक्रमक दिन तत्कालीन प्राचार्य ड्यूटी पर अनुपस्थित छलाह। स्वास्थ्य मंत्री लगातार कहैत रहल छथि जे राज्यक स्वास्थ्य व्यवस्था नीक बनेबाक लेल आवश्यक सभ डेग उठाओल जायत। एहि क्रम मे ओ अलग-अलग जिलाक अस्पतालक निरीक्षण सेहो करैत छथि आ अनियमितता भेटलापर कारबाइ कएल जा रहल अछि।