Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा मिथिला पेंटिंग बनल विश्व रिकॉर्ड, डीएम कें भेटल मेडल

Avatar
By Samadiya Mithila
August 16, 2026 1 Min Read
0

मधुबनी। स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मधुबनी मिथिला कला आ संस्कृतिक क्षेत्र मे नव विश्व कीर्तिमान स्थापित कएलक अछि। रामचरितमानस पर आधारित 108 मीटर लम्बा विशाल मिथिला पेंटिंग विश्व रिकॉर्ड कायम कएलक अछि। एहि भव्य कलाकृति मे रामायणक संपूर्ण गाथा कें पारंपरिक शैली मे 52 प्रमुख प्रसंगक माध्यम सं उकेरल गेल अछि।

एकर संगहि स्थानीय कलाकार सभकें सीधा वैश्विक बाजार सं जोड़बाक लेल ‘मिथिला पेंटिंग-सह-ई-कॉमर्स पोर्टल’क सेहो विधिवत शुभारंभ कएल गेल।

मिथिला चित्रकला संस्थानक करीब 180 वर्तमान आ पूर्ववर्ती छात्र-छात्रा सभ मात्र चारि दिनक अथक प्रयास सं 108 मीटर लम्बा एहि पेंटिंग कें तैयार कएलनि। एहि उपलब्धि सं मिथिला चित्रकलाक वैश्विक पहचान कें नव विस्तार भेटबाक उम्मीद अछि।

डीएम आनंद शर्माक ड्रीम प्रोजेक्टक अंतर्गत शुरू कएल गेल ई-कॉमर्स पोर्टलक माध्यम सं कलाकार सभ अपन उत्पाद देश-विदेशक बाजार मे सीधा बेचि सकताह। एकरा सं स्थानीय कलाकार सभकें अपन कला लेल पैघ बाजार भेटबाक संगहि आर्थिक रूप सं सेहो लाभ होएबाक संभावना अछि।

समारोह मे राज्यसभा सांसद संजय कुमार झा आ मंत्री लेसी सिंह एहि पहल कें मिथिलाक पहचान लेल ऐतिहासिक कदम बतौलनि। हुनका सभक अनुसार मिथिला चित्रकला कें डिजिटल बाजार सं जोड़ला सं स्थानीय कलाकार सभकें नव अवसर भेटत आ पारंपरिक कला कें वैश्विक स्तर पर बढ़ावा भेटत।

कार्यक्रमक अंत मे संस्थानक मेधावी छात्र-छात्रा सभकें पुरस्कृत कएल गेल। एहि अवसर पर उपनिदेशक नीतीश कुमार, लेखा पदाधिकारी सुरेंद्र प्रसाद यादव सहित कतेको गणमान्य लोक उपस्थित छलाह।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

108 मीटर पेंटिंगआनंद शर्माबिहार समाचारमधुबनी पेंटिंगमधुबनी समाचारमिथिला कलामिथिला कलाकारमिथिला चित्रकला संस्थानमिथिला पेंटिंगमिथिला पेंटिंग ई-कॉमर्समिथिला संस्कृतिरामचरितमानसलेसी सिंहविश्व रिकॉर्डसंजय कुमार झा
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

पाटलिपुत्र सं पूर्णिया धरि 17 अगस्त सं चलत नाइट स्पेशल ट्रेन, सहरसा मे 30 मिनट ठहराव; कोसी-सीमांचल कें राहति

Next

आजुक ईपेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech