Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

नीतीश कुमार सं भेंट कएलनि सीएम सम्राट चौधरी, गंगा सं गादि निकालबाक समझौताक देलनि जानकारी

Avatar
By Samadiya Mithila
November 4, 2026 2 Min Read
Comments Off on नीतीश कुमार सं भेंट कएलनि सीएम सम्राट चौधरी, गंगा सं गादि निकालबाक समझौताक देलनि जानकारी

पटना। बिहारक मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बुध दिन पूर्व मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सं हुनकर आवास पर भेंट कएलनि। करीब 20 मिनट धरि चलल एहि भेंटक बाद मुख्यमंत्री बतौलनि जे गंगा सं गादि निकालबाक लेल नीतीश कुमार जे अभियान चलौने छलाह, से सफल भेल अछि। एहि संबंध मे दिल्ली मे एकटा पैघ समझौता भेल अछि, जाहि सं बिहार कें बाढ़ि सं राहति देबय मे मदति भेटत।
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पत्रकार सभ सं बातचीत करैत कहलनि जे ओ नीतीश कुमार कें गंगा सं गादि निकालबाक लेल भारत सरकारक संग भेल समझौताक जानकारी देलनि। नीतीश कुमार एहि मुद्दा कें बेर-बेर उठौने छलाह। हुनकर काज आ सपना पूरा करबाक दिशा मे सरकार आगू बढ़ि रहल अछि।
सम्राट चौधरी कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक निर्देशन मे सड़क परिवहन आ राजमार्ग मंत्रालय तथा भारत सरकारक संग समझौता भेल अछि। एहि अंतर्गत गंगा सहित अन्य प्रमुख नदी सभ सं करीब चारि लाख क्यूबिक मीटर गादि निकालबाक प्रक्रिया शुरू कएल जाएत। निकालल गेल गादिक उपयोग बिहार मे सेहो कएल जाएत। ओ कहलनि जे एहि सं दूटा पैघ लाभ होयत। बिहार मे बाढ़िक स्थिति मे राहति भेटत आ खेतक माटिक कटाव सं बचाव भए सकत।
मुख्यमंत्री एहि पहल लेल केंद्र सरकार आ सड़क परिवहन मंत्रालय कें बधाइ सेहो देलनि। ओ कहलनि जे नीतीश कुमार बिहार मे नीक व्यवस्था आ सुशासन स्थापित केने छथि आ राज्य कें संगठित अपराध सं मुक्त केने छथि। प्रधानमंत्रीक मार्गदर्शन आ नीतीश कुमारक सहयोग सं बिहार कें विकसित राज्य बनेबाक दिशा मे काज कएल जा रहल अछि।
ओ बतौलनि जे केंद्र सरकारक कतेको मंत्री सभ सं भेंटक दौरान रेल मंत्री सं छठि आ दीपावली पर बिहार आबय बला लोक सभक लेल नीक रेल सुविधा उपलब्ध करयबाक आग्रह कएल गेल अछि। पिछला बेर 10 हजार सं बेसी जोड़ी ट्रेन चलाओल गेल छल। एहि बेर ओहि सं बेसी ट्रेन चलयबाक अनुरोध कएल गेल अछि।
मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी कहलनि जे गया के आईएमसी मे बनि रहल औद्योगिक कॉरिडोरक तर्ज पर राज्यक पांच अन्य स्थान पर सेहो एहन व्यवस्था विकसित करबाक प्रस्ताव देल गेल अछि। मुजफ्फरपुर आ दरभंगाक प्रस्ताव केंद्र सरकार कें सौंपल गेल अछि। ओ आशा जतौलनि जे एहि प्रस्ताव सभ कें शीघ्रे मंजूरी भेटि जाएत। राज्य मे करीब 13 हजार एकड़ जमीन उपलब्ध कराओल जा रहल अछि आ एखन धरि एक हजार सं बेसी उद्योग सभ कें अवसर देल गेल अछि। पटना मे कंट्रोल एस के डाटा सेंटर बनि कए तैयार भए चुकल अछि आ ओतय काज शुरू भए गेल अछि।
ओ बतौलनि जे औद्योगिक कॉरिडोर लेल पर्यावरणीय मंजूरी शीघ्र देबाक आग्रह कएल गेल अछि। ओ कहलनि जे बिहार मे इको-टूरिज्म विकसित करबाक लेल सेहो केंद्र सरकार सं स्वीकृति मांगल गेल अछि, जाहि सं सार्वजनिक-निजी भागीदारी (पीपीपी) के माध्यम सं काज आगू बढ़ाओल जा सकय। एकर अतिरिक्त रेल मंत्री सं अयोध्या सं सीतामढ़ी लेल सीधा ट्रेन सेवा शुरू करबाक आग्रह कएल गेल अछि, जाहि सं भगवान रामक जन्मस्थली आ माता सीताक जन्मस्थली कें सीधा रेल सेवा सं जोड़ल जा सकय।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

पथ निर्माण विभागक इंजीनियरक घर सं 10 लाख नकद भेटल

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech