Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

प्रशांत किशोर विधायकक रूप मे पद आ गोपनीयताक शपथ लेलनि, कहलनि-विधानसभा सदस्य बनब गर्वक बात

Avatar
By Samadiya Mithila
August 17, 2026 2 Min Read
0

पटना। बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे जीतक बाद जन सुराज पार्टीक संस्थापक प्रशांत किशोर सोम दिन विधायक पदक शपथ लेलनि। बिहार विधानसभा मुख्य भवन मे स्थित विधानसभा अध्यक्ष प्रेम कुमारक कार्यालय कक्ष मे प्रशांत किशोर विधानसभा सदस्यक रूप मे शपथ लेलनि। बिहार विधानसभा अध्यक्ष प्रेम कुमार हुनका शपथ दिलौलनि। एहि अवसर पर जन सुराजक प्रदेश अध्यक्ष मनोज भारती, जन सुराजक प्रवक्ता कुमार सौरभ सिंह सहित कतेको अन्य नेता उपस्थित छलाह।

शपथ लेलाक बाद जन सुराज पार्टीक संस्थापक आ विधायक प्रशांत किशोर मीडिया सं गप्प करैत कहलनि, “हमर लेल बिहार विधानसभा सदस्य बनब बहुत गर्वक बात अछि, जतय भारत रत्न कर्पूरी ठाकुर, नीतीश कुमार आ लालू यादव जेना लोक सदस्यक रूप मे सेवा कएने छथि। हुनका सभक संगहि सैकड़ो अन्य विधायक आ सदनक सदस्य सभ समाज आ राज्यक बेहतरी लेल अपन जीवनक बहुमूल्य वर्ष समर्पित कएने छथि। एहि सभ सं प्रेरणा लए प्रदेश आ समाज लेल किछु कए सकी, इएह सोच अछि।”

लखीसरायक अशोक धाम मंदिर मे भेल भगदड़क चर्चा करैत ओ कहलनि, “हमरा एखन-अखन जानकारी भेटल अछि। हम ओतय जाएब।”

किशोर बांकीपुर विधानसभा उपचुनाव मे भाजपा उम्मीदवार नीरज कुमार सिन्हा कें हराकए जन सुराज पार्टीक पहिल निर्वाचित विधायक बनेबाक गौरव प्राप्त कएलनि। ई परिणाम चुनावी राजनीति मे प्रवेश केलाक बाद किशोरक पहिल चुनावी जीत छल आ अपेक्षाकृत नव पार्टी लेल पैघ उपलब्धि छल।

बांकीपुर सीट लेल मतदान 30 जुलाई कें भेल छल, जखनकि मतगणना 3 अगस्त कें भेल। मतगणनाक दौरान किशोर अपन बढ़त कायम रखलनि आ अंततः 19,324 वोट सं जीत हासिल कएलनि। हुनका 64,151 वोट भेटल, जखनकि भाजपा उम्मीदवार नीरज कुमार सिन्हा कें 44,827 वोट प्राप्त भेल। राजद उम्मीदवार रेखा गुप्ता 14,273 वोट सं तेसर स्थान पर रहलथि।

एहि परिणाम सं एहि निर्वाचन क्षेत्र पर भाजपाक दीर्घकालीन वर्चस्व सेहो समाप्त भए गेल, जतय पार्टी 1995 सं नियंत्रण बनाए रखने छल। ई जीत विशेष रूप सं महत्वपूर्ण छल, कारण बांकीपुर कें परंपरागत रूप सं भाजपाक गढ़ मानल जाइत रहल अछि।

एहि शपथ ग्रहण समारोहक संगहि किशोर औपचारिक रूप सं विधायकक रूप मे अपन कार्यकाल शुरू करताह आ जन सुराज पार्टीक टिकट पर निर्वाचित होमय बला पहिल विधायक बनताह। हुनकर जीत सं नवगठित पार्टी कें राज्य विधानसभा मे पहिल उपस्थिति भेटल अछि आ बांकीपुर उपचुनाव बिहारक चर्चित राजनीतिक घटनाक्रम मे बदलि गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

जन सुराज पार्टीजन सुराज विधायकनीरज कुमार सिन्हापटना समाचारप्रशांत किशोरप्रशांत किशोर जीतप्रशांत किशोर शपथप्रेम कुमारबांकीपुर उपचुनावबांकीपुर विधायकबिहार राजनीतिबिहार विधानसभाबिहार समाचार
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

लखीसराय भगदड़ कें लए राष्ट्रपति आ प्रधानमंत्री व्यक्त कएलनि शोक, पीएम कहलनि- हमर संवेदना पीड़ित परिवार सभक संग

Next

बीएनएमयू मे पीजी रिजल्ट मे देरी, छात्र सभक प्रदर्शन

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 24-28-2026
  • आजुक ई पेपर
    आजुक ई पेपर 23-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 22-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20.08.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 18-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-08-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-8-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-08-2026
  • आजुक ईपेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-08-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • चेतना मिथिला हस्तकला प्रदर्शनी मे देखायल मिथिलाक लोककलाक झलकि
  • समस्तीपुर: जवाहर नवोदय विद्यालय मे रैगिंग पर बवाल, दर्जनभरि जूनियर छात्र सभ कें बेल्ट सं पीटल गेल
  • दोसर टेस्ट: पडिक्कलक लगातार दोसर शतक, पहिल दिन भारत बनेलक 300 रन
  • फूल आ रंग-बिरंगा रोशनी सं सजल बाबा कुशेश्वरनाथ धामक दरबार

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech