- पटना सं आयल मास्टर ट्रेनर सभ जनगणना प्रक्रिया सभक देलनि जानकारी
सहरसा, समदिया
जनगणना-2027क तैयारी कें लए कए प्रशासनिक स्तर पर गतिविधि तेज भए गेल अछि। एहि क्रम मे बुधदिन समाहरणालय स्थित नव सभागार मे जनगणना-2027क दोसर चरणक अंतर्गत विस्तृत प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। पटना सं आयल मास्टर ट्रेनर सभ विभिन्न विभागक अधिकारी आ कर्मी सभ कें जनगणना काजक प्रक्रिया, तकनीकी पक्ष आ निर्धारित जिम्मेदारी सभक विस्तारपूर्वक जानकारी देलनि। प्रशिक्षण कार्यक्रम दू स्तर पर आयोजित कयल गेल। सभागारक निचला तल पर सभ चार्ज पदाधिकारी आ सहायक चार्ज पदाधिकारी सभ कें जनगणना काज सं संबंधित आवश्यक प्रशिक्षण देल गेल। ओतहि पहिल तल पर संबंधित तकनीकी कर्मी आ अधिकारी सभ कें तकनीकी प्रक्रिया आ काजक निष्पादन सं जुड़ल महत्वपूर्ण बिंदु सभ सं अवगत कराओल गेल। एहि अवसर पर अपर समाहर्ता (निर्वाचन) गणेश कुमार, अपर समाहर्ता (राजस्व) निशांत कुमार, अपर समाहर्ता (आपदा प्रबंधन) मुकेश कुमार आ नोडल पदाधिकारी, प्रशिक्षण कोषांग सह जिला योजना पदाधिकारी विशाल राघव उपस्थित छलाह। निर्धारित कार्यक्रमक अनुसार, जनगणना-2027 मे स्व-गणना (सेल्फ एन्यूमरेशन) काज 10 जनवरी सं 24 जनवरी 2027 धरि कयल जायत। एकर बाद 25 जनवरी सं 28 फरवरी 2027 धरि जनसंख्या गणना होयत। ओतहि 1 मार्च सं 5 मार्च 2027 धरि पुनरीक्षण चरण चलाओल जायत। प्रशिक्षणक मुख्य उद्देश्य जनगणना काज सं जुड़ल सभ अधिकारी आ कर्मी सभ कें निर्धारित प्रक्रिया आ अपन-अपन दायित्वक समुचित जानकारी देब अछि, जाहि सं देशक एहि महत्वपूर्ण काज कें निर्धारित समय सीमा मे सुचारु आ प्रभावकारी ढंग सं पूरा कयल जा सकय।
========================================================================