बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट स्थानीय थाना क्षेत्रक अकौर गाम मे सोमदिन एक बच्चाक निर्मम हत्या सं पूरा गाम दहलि उठल। करीब 8 सं 10 वर्षक बच्चाक हाथ-पैर बान्हि, आंखि पर पट्टी लगा बोरी मे बंद कए हत्या करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। मृत बच्चाक पहिचान हरलाखी…