बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
बेनीपट्टी सं विद्याधर झाक रिपोर्ट
स्थानीय थाना क्षेत्रक अकौर गाम मे सोमदिन एक बच्चाक निर्मम हत्या सं पूरा गाम दहलि उठल। करीब 8 सं 10 वर्षक बच्चाक हाथ-पैर बान्हि, आंखि पर पट्टी लगा बोरी मे बंद कए हत्या करबाक आरोप लगाओल गेल अछि। मृत बच्चाक पहिचान हरलाखी थाना क्षेत्रक दुर्गापट्टी गाम निवासी अमर भंडारीक पुत्र सुशांत कुमारक रूप मे भेल अछि। परिजन बच्चाक पितियौत मामी पर हत्या करबाक आरोप लगौलनि अछि।
प्राप्त जानकारीक अनुसार सुशांत कुमार दू दिन पहिने दुर्गापट्टी गाम सं अपन नानीगाम अकौर आयल छल। सोमदिन दुपहरिया सं अनचोके ओकर कोनो अता-पता नहि भेटल, तखन परिजन आ ग्रामीण ओकर खोजबीन मे जुटि गेलाह। बहुत खोजबीनक बाद सांझ करीब साढ़े 5 बजे एक स्थानीय व्यक्ति घरक पछिला भाग मे खदहा लग एकटा संदिग्ध बोरा देखलनि। बोरा खोलला पर ओहि मे बच्चाक शव भेटल। ई देखिते लोकक होश उड़ि गेल। आनन-फानन मे बच्चा कें अस्पताल लए जाओल गेल, जतय चिकित्सक जांचक बाद ओकरा मृत घोषित कए देलनि।
बच्चाक मृत्युक खबरि गाम मे पसरिते ग्रामीणक आक्रोश भड़कि उठल। ग्रामीण आरोपी बताओल जा रहल महिला कें ओकर घर सं बाहर निकालि एकटा पोल मे बान्हि देलनि। एहि दौरान किछु महिला सभ द्वारा ओकरा संग माइरपीट कएल गेल। मारपीट मे महिला घायल भए बेहोश भए गेल।
घटनाक सूचना भेटिते बेनीपट्टीक थानाध्यक्ष इंस्पेक्टर अनुप कुमार, एसआइ संजय कुमार सिंह आ पीएसआइ सुप्रिया कुमारी दलबल संग घटनास्थल पर पहुंचि स्थिति नियंत्रित कएलनि। पुलिस आरोपी महिला कें अभिरक्षा मे लए इलाज लेल अस्पताल मे भर्ती करौलनि। ओकर उपचार पुलिसक निगरानी मे चलि रहल अछि।
पुलिस घटनाक सभ पक्षक जांच मे जुटल अछि। बच्चाक हत्या पछां वास्तविक कारण की अछि तथा एहि घटना मे आरो ककर संलिप्तता अछि वा नहि, से जांच पूरा भेलाक बादे स्पष्ट भए सकत। अखन गाम मे तनावपूर्ण स्थिति कें देखैत पुलिस कैंप कए रहल अछि।