Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू

Avatar
By Samadiya Mithila
September 21, 2026 2 Min Read
0

 

अंतिम 12 मे बनौलनि स्थान, दमदार प्रस्तुति सं कुमार शानू, शंकर महादेवन सहित दिग्गज भेला श्रद्धा श्री सं प्रभावित

 

सहरसा, समदिया

संगीत क्षेत्र मे सहरसाक नवोदित गायिका श्रद्धा श्री राष्ट्रीय स्तर पर अपन पहचान बनेबाक दिस आगू बढ़ि रहल छथि। प्रसिद्ध संगीत कार्यक्रम सा रे गा मा पाक मंच पर शानदार प्रस्तुति दए श्रद्धा आखरी 12 प्रतिभागी मे अपन स्थान सुनिश्चित केने छथि। रविदिन प्रसारित कार्यक्रम मे हुनकर दमदार गायिकी सं कार्यक्रमक निर्णायक प्रसिद्ध पार्श्वगायक कुमार शानू, शंकर महादेवन, जावेद अली आ नीति मोहन सहित उपस्थित दर्शक सेहो प्रभावित भेलाह। संगीतक समृद्ध विरासतवला परिवार सं जुड़ल श्रद्धा श्री बचपनहि सं गायिकी कें अपन लक्ष्य बना लेने छलथि। हुनकर प्रतिभाक परिचय एहि सं पहिने सेहो विभिन्न मंच पर भेटैत रहल अछि। ओ प्रतिष्ठित आई-जीनियस प्रतियोगिता मे विजेता बनि प्रसिद्ध संगीतकार सलीमक हाथे पुरस्कार प्राप्त केने छलथि। एकर बाद अनुबंधक अंतर्गत सिंगापुरक एकटा संगीत एलबम लेल रिकॉर्डिंग सेहो केने छलथि। सहरसा न्यू कॉलोनी निवासी कृषि विभाग सं सेवानिवृत्त भृगुनंदन ठाकुरक पौत्री श्रद्धा कें संगीतक संस्कार परिवारहि सं भेटल अछि। हुनकर नाना श्री भागवत मिश्र वियोगी बिहार सरकारक सूचना आ जनसंपर्क विभाग मे प्रसिद्ध गायकक रूप मे कार्यरत रहलाह। ओतहि बिहारक चर्चित गायिका रंजना झा हुनकर पैघ मौसी छथि। श्रद्धाक चाचा संजय ठाकुर आ हेमंत ठाकुर सेहो संगीत क्षेत्र मे सक्रिय रहल छथि।

बरख 2012 मे लाइफ ओके पर प्रसारित रियलिटी शो हिंदुस्तान के हुनरबाज मे सेहो श्रद्धा अपन प्रतिभाक प्रदर्शन केने छलथि। परिवारक अन्य सदस्य सभ मे अमृतराज ठाकुर आ निखिल ठाकुर देश-विदेशक विभिन्न मंच पर प्रस्तुति दैत छथि, जखन कि हुनकर फूफा गोविंद प्रसन्न सरस्वती प्रसिद्ध संगीतकार छथि।

 

श्रद्धाक पिता राज कुमार ठाकुर आ माता वंदना ठाकुर छथि। हुनकर माता दिल्लीक एकटा प्रतिष्ठित विद्यालय मे संगीत शिक्षिका छथि आ श्रद्धाक संगीत प्रतिभा कें निखारय मे हुनकर महत्वपूर्ण योगदान रहल अछि। दिल्ली विश्वविद्यालय सं अंग्रेजी मे स्नातक श्रद्धा श्री वर्तमान मे दिल्ली मे रहि देश-विदेश मे मंचीय प्रस्तुति दैत छथि। सहरसा सन छोट शहर सं निकलि राष्ट्रीय मंच धरि पहुंचली श्रद्धा सं कोसी-मिथिलांचलक लोकनि कें आब सा रे गा मा पा मे आगू सेहो शानदार प्रस्तुति केर अपेक्षा अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila#samadiyaMithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित

बेनीपट्टीक अकौरमे बच्चाक हत्या मामिला
Next

बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 21-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • बेनीपट्टीक अकौर मे बच्चाक हत्या, बोरी मे बंद कए खदहा मे फेकबाक आरोप, पितियौत मामी हिरासत मे
  • सारेगामापाक मंच पर सहरसाक श्रद्धा श्री बिखेरलनि सुरक जादू
  • ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
  • गामक ईंटा-भट्ठा, निजी स्कूल आ मोबाइल टावर पर लागत टैक्स
  • ‘प्लीज… हम हुनकर बेस्ट फ्रेंड छी’, जमुई मे हाथ जोड़ि विनती करैत रहल छात्रा, साथी छात्रक पिटाइ करैत रहल शैतान

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech