ग्राम संसद बिहार चैप्टर मे कोइलखक मुखिया शेखर सुमन सम्मानित
मधुबनी, समदिया
ग्राम संसद बिहार चैप्टरक कार्यक्रम मे मधुबनी जिलाक कोइलख पंचायतक मुखिया शेखर सुमन कें सम्मानित कएल गेल। कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी हुनका सर्वश्रेष्ठ मुखिया सम्मान प्रदान कएलनि। सम्मान भेटलाक बाद पंचायत क्षेत्रक लोक मे प्रसन्नताक माहौल देखल गेल। एहि अवसर पर मुखिया शेखर सुमन कहलनि जे मुख्यमंत्रीक हाथे भेटल ई सम्मान हुनका लेल गौरवक विषय अछि। मुदा ई सम्मान कें ओ अपन व्यक्तिगत सम्मान नहि मानैत छथि। हुनकर कहब छल जे ई सम्मान संपूर्ण कोइलख पंचायतवासी, पंचायतक जनप्रतिनिधि आ विकासक लेल निरंतर प्रयास करयबला सभ लोकक सम्मान अछि।
शेखर सुमन कहलनि जे पंचायतक विकास मे जनताक सहयोगक महत्वपूर्ण भूमिका रहल अछि। पंचायतक आधारभूत सुविधा, लोकहितक काज आ विकासात्मक गतिविधि मे जनताक सहभागिता सं पंचायत कें आगू बढ़ेबाक प्रयास कएल जा रहल अछि।
ओ कहलनि जे सम्मान सं हुनका पंचायतक विकास लेल आरो बेसी जिम्मेदारीक अनुभूति भेल अछि। भविष्य मे सेहो पंचायतवासी सभक अपेक्षा आ आवश्यकता कें प्राथमिकता मे रखैत विकासक काज कें गति देबाक प्रयास जारी राखल जाएत। कार्यक्रमक दौरान पंचायत प्रतिनिधि आ उपस्थित लोक सभ शेखर सुमन कें सम्मान भेटला पर शुभकामना देलनि।