संसद मे उलटल राजनीतिक तस्वीर : सरकार बहस लेल तैयार, राहुल गांधीक नेतृत्व मे विपक्ष राजी नहि
नई दिल्ली, 13 अगस्त। संसदक मानसून सत्रक अधिकांश समय मे एहि बेर राजनीतिक तस्वीर किछु उलटल देखल गेल। सामान्यतः विपक्ष विवादित मुद्दा सभ पर चर्चा करबाक मांग करैत अछि आ सरकार एकरा टारबाक प्रयास करैत अछि, मुदा एहि बेर सरकार बहस लेल आग्रह करैत रहल आ…
भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता आ एक परिजन कें नौकरी देत सरकार : मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी
पटना, समदिया बिहारक चर्चित भरत भूषण तिवारीक कथित पुलिस मुठभेड़ मे भेल मृत्यु प्रकरण मे मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी बृहस्पतिदिन पैघ घोषणा केलनि। हुनका अनुसार दिवंगत भरत भूषण तिवारीक परिवार कें आर्थिक सहायता देल जाएत आ परिवारक एक सदस्य कें सरकारी नौकरी…
सम्राट कैबिनेट मे 10 महत्वपूर्ण प्रस्ताव पर मोहर, युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा लेल पैघ निर्णय
पटना। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक अध्यक्षता मे बुधदिन भेल राज्य मंत्रिमंडलक बैठक मे युवा रोजगार आ उच्च शिक्षा सं जुड़ल कतेको महत्वपूर्ण निर्णय लेल गेल। मंत्रिमंडल कुल 10 प्रस्ताव सभ कें स्वीकृति प्रदान केलक। एहि मे कुशल युवा कार्यक्रम कें आगांक पांच…
बेंगलुरु मे शुरू भेल प्रवासी श्रमिक सुविधा केंद्र, मंत्री अरुण शंकर प्रसाद पटना सं ऑनलाइन कएलनि उद्घाटन
पटना। बिहार सं बाहर रोजगार लेल जाए बला प्रवासी श्रमिक सभ कें कार्यस्थल पर सरकारी योजना आ कल्याणकारी सेवा सभक लाभ उपलब्ध कराबए दिश मे बिहार सरकार एक महत्वपूर्ण पहल केने अछि। बिहार श्रम संसाधन आ प्रवासी श्रमिक कल्याण विभागक दिस सं…
बिहारक खजाना खाली, वेतन-पेंशन देबय लेल सेहो पाइ नहि – तेजस्वी यादव
पटना। बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव मंगल दिन राज्य सरकार पर वित्तीय कुप्रबंधन आ भ्रष्टाचार कें लए कए निशाना साधलनि। ओ कहलनि जे बिहारक खजाना पूरा तरहे खाली भए चुकल अछि आ सरकारक पास ठेकेदार सभक भुगतानक संग-संग कर्मचारी सभकें वेतन आ पेंशन देबय…
दिल्ली सं चलि रहल अछि बिहारक सरकार, मुख्यमंत्री सम्राट छथि रबर स्टांप : तेजस्वी
रोहतासक दियारा मे गोलीकांडक पीड़ित परिवार सं भेंट करबा लेल पहुंचलाह नेता प्रतिपक्ष फोटो : तेजस्वी पटना, समदिया रोहतासक दिनारा मे चंदेश्वर चौधरीक हत्या मामिला मे बिहारक नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव मुख्यमंत्री सम्राट चौधरीक सरकार पर जमि कए…
जेपी नड्डा सं भेट केलनि निशांत कुमार, स्वास्थ्य व्यवस्था मजबूत बनेबाक विषय पर भेल विस्तृत चर्चा
नई दिल्ली। बिहारक स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार शनिदिन नई दिल्ली मे केंद्रीय स्वास्थ्य मंत्री जेपी नड्डा सं भेंट कयलनि। एहि दौरान ओ केंद्रीय मंत्री कें बिहार मे स्वास्थ्य क्षेत्र मे भए रहल कार्य आ राज्यक स्वास्थ्य व्यवस्था कें आरो सुदृढ़…