Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

पेपर लीक आ सिवान गोलीकांडक विरुद्ध 19 अगस्त कें राजभवन मार्च करताह : तेजस्वी यादव

Avatar
By Samadiya Mithila
August 16, 2026 2 Min Read
0

 

पटना। राजदक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष एवं बिहार विधानसभा मे विपक्षक नेता तेजस्वी यादव बिहार मे पेपर लीक, रोजगार आ सिवान मे छात्र सभ पर गोली चलाओल गेलाक घटना कें लए राज्य सरकार पर निशाना साधलनि। तेजस्वी यादव मीडिया सं गप्प करैत कहलनि जे एहि मुद्दा सभ कें लए 19 अगस्त कें राजभवन मार्च कएल जाएत। ओ कहलनि जे मार्चक माध्यम सं राज्यपालक समक्ष छात्र आ युवासभक समस्या राखल जाएत।

ओ कहलनि जे बिहार लगातार पेपर लीकक घटना सभक कारण बदनाम भए रहल अछि। ओ आरोप लगौलनि जे राज्य मे मैट्रिक, इंटर सं लए कए विभिन्न बहाली परीक्षा धरि पेपर लीकक शिकायत सामने अबैत रहल अछि। ओ कहलनि जे जखन परीक्षा निष्पक्ष तरीका सं नहि होयत तं मेहनत कएनिहार छात्र सभक संग न्याय कोना होयत।

सिवानक घटनाक चर्चा करैत तेजस्वी यादव कहलनि जे छात्र अपन अधिकार लेल संघर्ष कए रहल छलाह आ ओतय एके-47 सं गोली चलाओल गेलाक घटना भेल। ओ प्रश्न उठौलनि जे आखिर छात्र सभ पर गोली चलाबयक आदेश कें देने छल। ओ कहलनि जे एहि मामिला कें लए पहिने डीजीपी सं सेहो भेंट कएल गेल छल आ सरकार सं जिम्मेदारी तय करबाक मांग कएल गेल छल, मुदा एखन धरि कोनो पैघ कारबाइ नहि भेल अछि।

ओ कहलनि जे एहि मामिला मे मात्र एकटा सिपाही कें बर्खास्त कएल गेल अछि, जखनकि एसपीक निलंबन सहित अन्य जिम्मेदार अधिकारी सभ पर कारबाइ नहि भेल अछि। ओ कहलनि जे एहि मुद्दा पर देशभरिक नेता सभ सं सेहो गप्प कएल गेल अछि आ 19 अगस्त कें राजभवन मार्चक माध्यम सं सरकार सं जवाब मांगल जाएत।

तेजस्वी यादव कहलनि जे ई खुलल मार्च होयत, जाहि मे छात्र-छात्रा, शिक्षक, कोचिंग संस्थान सं जुड़ल विद्यार्थी आ परीक्षा एवं रोजगार व्यवस्था सं परेशान सभ लोक शामिल भए सकैत छथि। ओ बतौलनि जे मार्च मे बाहर सं सेहो किछु नेता शामिल होमय लेल पहुंचताह।

रोजगारक मुद्दा पर सरकार कें घेरैत तेजस्वी यादव भाजपा द्वारा एक करोड़ नौकरी देबाक वादाक सेहो चर्चा कएलनि। ओ आरोप लगौलनि जे बिहार मे एखन धरि एक लाख नौकरी सेहो नहि देल गेल अछि। ओ कहलनि जे जाहि युवासभक संग अन्याय भेल अछि, से सभ 19 अगस्तक मार्च मे शामिल भए अपन आवाज बुलंद करताह।

शराबबंदी कें लए सेहो तेजस्वी यादव राज्य सरकार पर निशाना साधलनि। ओ आरोप लगौलनि जे बिहार मे शराबबंदी पूरा तरहे विफल भए चुकल अछि आ शराबक होम डिलीवरी धरि भए रहल अछि। ओ कहलनि जे सरकार भले शराबबंदी लागू रहबाक दावा करय, मुदा जमीनी वास्तविकता किछु दोसर अछि।

ओ शराबक कथित रैकेट मे सत्तासीन लोकक संलिप्तताक आरोप लगबैत कहलनि जे आब शराबबंदीक समीक्षा करबाक गप्प भए रहल अछि, मुदा समीक्षा कोना होयत, ई मुख्यमंत्री कें बताबय चाही।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

19 अगस्त मार्चछात्र आंदोलनछात्र सभक समस्यातेजस्वी यादवपटना समाचारपेपर लीकबिहार राजनीतिबिहार रोजगारबिहार समाचारबिहार सरकारराजदराजभवन मार्चशराबबंदीशिक्षक आंदोलनसिवान गोलीकांड
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

झंझारपुरक 11 वर्षीय साहित्यकार आदर्श भारद्वाजक नाम नेशनल बुक ऑफ वर्ल्ड रिकॉर्ड मे दर्ज

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • दुस्साहस! दरभंगाक मुरेठ मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा कएल गेल क्षतिग्रस्त, मिथिला मे आक्रोश
  • समुद्र मे भारतीय युद्धपोत सं टकरायल पाकिस्तानी नौसेनाक जहाज, भारत राजनयिक कें केलक तलब
  • स्वच्छ आ प्रदूषणमुक्त वातावरण लेल घोघरडीहा मे जागरूकता अभियान
  • 20 सितंबर धरि छाएल रहत बादल, हल्का सं मध्यम बारिशक संभावना; किसानक लेल जारी भेल कृषि सलाह
  • भवन निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंताक घर विजिलेंसक छापा

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech