समाहरणालय परिसर मे चोरक आतंक, कतेको कार्यालयक एसीक कॉपर वायर चोरी
सुरक्षा गार्डक मौजूदगीक बावजूद चोरी सं उठल सवाल, डीएम-एसपी कार्यालयक वायर बचल
502
सहरसा, समदिया
शहर मे बढ़ैत चोरीक घटनाक बीच आब समाहरणालय परिसर सेहो चोरक निशाना बनि गेल अछि। सुरक्षा कर्मीक मौजूदगीक बावजूद चोर समाहरणालय स्थित कतेको कार्यालय मे लागल एसीक कॉपर वायर काटि कए चोरा लेलक। घटनाक बाद समाहरणालयक कर्मी सभक बीच सुरक्षा व्यवस्था कें लए कए चर्चा तेज भए गेल अछि।
जानकारीक अनुसार, चोर जिला आपूर्ति पदाधिकारी प्रमोद कुमार, जिला कला एवं सांस्कृतिक पदाधिकारी, जिला पंचायती राज पदाधिकारी सहित जिला आपूर्ति कार्यालय मे लागल एसीक कॉपर वायर कें निशाना बनौलनि। चोर सभ बड़ सफाई सं वायर काटि कए चोरीक घटना कें अंजाम देलक।
खास बात ई अछि जे समाहरणालय परिसर मे सुरक्षा कर्मीक तैनाती रहबाक बावजूद चोर सभक परिसरक भीतर धरि पहुंचब सुरक्षा व्यवस्थापर सवाल ठाढ़ करैत अछि। संयोगे कहल जा सकैत अछि जे जिला पदाधिकारी दीपेश कुमार आ पुलिस अधीक्षक विक्रम सिहागक कार्यालय मे लागल एसीक कॉपर वायर सुरक्षित बचि गेल।
जिला कला एवं संस्कृति पदाधिकारी स्नेहा कहलनि जे हुनकर कार्यालयक एसीक वायर एहि सं पहिने सेहो चोरी भए चुकल अछि। ओ कहलनि जे एहि संबंध मे मौखिक रूप सं जिलाधिकारी कें जानकारी देल गेल अछि।
समाहरणालय सन महत्वपूर्ण प्रशासनिक परिसर मे लगातार चोरीक घटना सं कर्मी सभक चिंता बढ़ि गेल अछि। कर्मी सभक कहब अछि जे परिसरक सुरक्षा व्यवस्था कें आर कड़ा करबाक आवश्यकता अछि, जाहि सं भविष्य मे एहि तरहक घटनापर रोक लगाओल जा सकय।