मध्य विद्यालय रूपौली मे अभिभावक-शिक्षक संगोष्ठी आयोजित
सीतामढ़ी, समदिया
मध्य विद्यालय रूपौली मे अभिभावक-शिक्षक संगोष्ठीक आयोजन कएल गेल। एहि अवसर पर विद्यालय परिवारक सभ सदस्य, शिक्षा समितिक सभ सदस्य, पदेन अध्यक्ष सह वार्ड सदस्य मोहम्मद गफ्फार तथा सभ अभिभावक उपस्थित छलाह।
प्रधानाध्यापक मोहम्मद जमीलुर रहमान आ पूर्व जिला परिषद अध्यक्ष श्रीमती इंद्राणी राय उपस्थित लोक कें संबोधित कएलनि। अपन संबोधन मे ओ सभ अभिभावक सं अपील कएलनि जे बच्चाक भविष्य उज्ज्वल बनय, एहि लेल हुनका सभ कें नियमित रूप सं विद्यालय पठाउ। संगहि घर पर सेहो बच्चा सभ कें निश्चित समय पर बैसा कए पढ़ेबाक आग्रह कएल गेल।
अभिभावक सभ कें बच्चाक आधार कार्ड नहि बनल होय तं आधार बनबेबाक सलाह देल गेल। प्रधानाध्यापक विशेष रूप सं कहलनि जे जाहि बच्चाक नाम दोसर विद्यालय मे नामांकित अछि, ओतय सं नाम कटबैत आधार बनबाबि अपन विद्यालय मे पठाओल जाय।
श्रीमती इंद्राणी राय कहलनि जे विद्यालयक व्यवस्था संतोषजनक अछि। विद्यालयक शिक्षक सभक देखरेख मे चलि रहल मध्यान्ह भोजनक व्यवस्था सेहो संतोषजनक अछि। ओ विद्यालयक शैक्षणिक व्यवस्था आ अन्य गतिविधि कें नीक बनयबाक लेल सभ सं सहयोगक अपेक्षा व्यक्त कएलनि।