बिहार मे निर्माणाधीन पुलक लॉन्चर खसल, सात मजदूर घायल, तेजस्वी सरकार पर साधलनि निशाना
हाजीपुर । बिहारक वैशाली जिला मे बृहस्पतिके भारतमाला परियोजनाक अंतर्गत फोरलेन निर्माणक दौरान पैघ दुर्घटना भए गेल। लालगंज थाना क्षेत्रक जलालपुर पंचायतक इतवारपुर गांवक लग निर्माणाधीन एनएच-139डब्ल्यू पर एक पुलक काजक दौरान लॉन्चर मशीन अनचोके खसि पड़ल। दुर्घटना मे करीब सात मजदूर घायल भए गेलाह। सभ घायलके प्राथमिक उपचार देल गेल, जखनकि तीन मजदूरके नीक इलाज लेल सदर अस्पताल, हाजीपुर रेफर कएल गेल।
पुलिसक अनुसार, दुर्घटना तखन भेल जखन निर्माणाधीन पुल पर लॉन्चर मशीनक माध्यम सं निर्माण सामग्री ऊपर लए जेबाक काज चलि रहल छल। अनचोके मशीनक एकटा हिस्सा खसि पड़ल, जकर चपेट मे काज कए रहल मजदूर सभ आबि गेलाह। घटना बाद घटनास्थल पर अफरा-तफरी मचि गेल। स्थानीय लोक आ राहतिकर्मी सभक मदति सं घायल मजदूर सभके बाहर निकालल गेल।
वैशालीक पुलिस अधीक्षक शुभांक मिश्रा बतौलनि जे लॉन्चर मशीनक नीचां करीब सात मजदूर घायल भए गेल छथि। सभके प्राथमिक उपचार कराओल गेल। एहि मे सं तीन मजदूरके सदर अस्पताल पठाओल गेल अछि। ओ बतौलनि जे एक मजदूर करीब डेढ़ घंटा धरि मशीनक नीचां दबल रहल। ओकर पैर मशीनक हिस्सा मे फंसल छल। गैस कटरक मदति सं मशीनक हिस्साके काटि मजदूरके सुरक्षित बाहर निकालल गेल।
पुलिस अधीक्षक बतौलनि जे घटनाक सूचना भेटिते ओ अनुमंडल पुलिस पदाधिकारी गोपाल मंडलक संग घटनास्थलक निरीक्षण कएलनि। ओ कहलनि जे स्थानीय लोक सं बातचीतक दौरान सुरक्षा व्यवस्था सं जुड़ल किछु बात सामने आएल अछि। एहि बिंदु सभक जांच कएल जा रहल अछि आ संबंधित एनएच विभाग सं सेहो पत्राचार कएल जाएत।
निर्माण कंपनी द्वारा निर्धारित सुरक्षा मानकक पालन कएल जा रहल छल वा नहि, एकर सेहो जांचक निर्देश देल गेल अछि।
एहि दुर्घटना कें लए बिहार विधानसभा मे नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव राज्य सरकार पर हमला कएलनि। ओ सोशल मीडिया मंच एक्स पर पोस्ट कए कहलनि जे बिहार मे फेर एकटा पुल खसल अछि। ओ दावा कएलनि जे वैशाली मे भ्रष्टाचारक बोझ सं निर्माणाधीन पुल खसला सं करीब आधा दर्जन मजदूर दबि कए घायल भेल छथि आ कतेकोक स्थिति गंभीर अछि।
तेजस्वी यादव आरोप लगौलनि जे घटिया निर्माण सामग्री, खराब गुणवत्ता, मानकक अनदेखी आ जांच मे अनियमितता संग एनडीए नेता सभक कथित भ्रष्टाचारी भूमिका लगातार खसैत पुलक मुख्य कारण अछि। ओ कहलनि जे उम्मीदक अनुरूप सरकार अपन भ्रष्टाचार पर पर्दा देबाक प्रयास करत।
मुदा पुलिस एहि घटनाके निर्माणाधीन पुलक काजक दौरान लॉन्चर मशीन खसबाक घटना बतौलक अछि आ एकर कारण तथा सुरक्षा मानकक अनुपालनक जांच करबाक बात कहलनि। पुलिसक अनुसार, मामिला मे आगांक कारबाइ कएल जा रहल अछि।