- ताबड़तोड़ मारल गेल आठ गोली, घटनास्थले पर भए गेल मृत्यु
-
स्थिति कें नियंत्रित करबा लेल बजाओल गेल 12 थानाक पुलिस
सीतामढ़ी, समदिया
सीतामढ़ी मे शनिदिन भोर मॉर्निंग वॉक लेल निकलल जिला परिषद प्रतिनिधि बैद्यनाथ महतोक अपराधी सभ गोली मारि हत्या कए देलक। करीब आठ गोली लगला सं घटनास्थले हुनकर मृत्यु भए गेल। हत्याक विरोध मे आक्रोशित भीड़ पुलिस दल पर हमला कए देलक। पथराव मे एक इंस्पेक्टरक माथ फाटि गेल, जखन कि पुलिसक कतेको गाड़ी मे तोड़फोड़ कएल गेल। शराबक कारोबारक विरोध आ पूर्व मे थाना पर प्रदर्शनक बाद भेल एहि हत्या सं लोकक आक्रोश भड़कि उठल आ एक आरोपीक घर मे आगि लगा देल गेल।
बैद्यनाथ महतो जिला परिषदक वार्ड संख्या 13 केर सदस्य दिलखुश देवीक पति छलाह। शनिदिन भोर ओ मॉर्निंग वॉक लेल निकलल छलाह। एहि बीच डुमरा थाना क्षेत्रक केथरिया-रामपट्टी चौक लग पथरिया श्मशानक समीप मोटरसाइकिल पर सवार चारि अपराधी हुनका पर ताबड़तोड़ गोली चलौलनि। गोली लगिते हुनकर घटनास्थले मृत्यु भए गेल। घटनाक बाद क्षेत्र मे तनाव पसरि गेल। आक्रोशित ग्रामीण सभ हत्याक आरोपी बताओल जा रहल ओही गामक त्रिभुवन कुशवाहा उर्फ एजाजक घर मे आगि लगा देलक। स्थिति नियंत्रित करबाक लेल 12 थाना क्षेत्रक पुलिस बल कें घटनास्थल पर बजाओल गेल। पुलिस अधीक्षक अमित रंजन आ अनुमंडल पदाधिकारी सेहो घटनास्थल पर पहुंचि स्थितिक जायजा लेलनि।
एहि दौरान ग्रामीण सभ पुलिस दल पर पथराव शुरू कए देलक, जाहि मे इंस्पेक्टर अनिल रामक माथ मे चोट लागल। दू दरोगा कें सेहो ग्रामीण सभ खिहाड़ि देलक। पुलिस आ प्रशासनक दल स्थिति नियंत्रित करबाक प्रयास मे जुटल अछि।
शराबक कारोबारक विरोध बनल हत्याक आरोप
ग्रामीणक अनुसार, त्रिभुवन कुशवाहा उर्फ एजाज गाम मे शराबक आपूर्ति करैत छल। बैद्यनाथ महतो एकर विरोध करैत छलाह आ ओकरा कारोबार बंद करबाक चेतावनी देलनि। एहि बात कें लए कए दुनूक बीच बहुत समय सं विवाद चलि रहल छल। ग्रामीणक आरोप अछि जे शराबक कारोबारक विरोध करबाक कारएों बैद्यनाथ महतो कें निशाना बनाओल गेल।
14 दिन पहिने सेहो भेल छल गोलीबारी
बताओल गेल अछि जे 28 अगस्त कें सेहो बैद्यनाथ महतो पर गोली चलाओल गेल छल। एहि मामिला मे डुमरा थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल छल। परिजन आ समर्थकक आरोप अछि जे पहिल घटनाक बाद सं हुनका लगातार धमकी भेटि रहल छल, मुदा आरोपितक गिरफ्तारी नहि भेल। गिरफ्तारीक मांग लए कए जिला परिषद सं जुड़ल लोक चारि दिन पहिने डुमरा थाना घेराव सेहो केने छलाह।
क्षेत्र मे तनाव कायम
ग्रामीण सभ पुलिस पर लापरवाही आ आरोपितक संग मिलीभगतक आरोप लगबैत तत्काल गिरफ्तारी आ कड़ा कारबाइक मांग केलनि। पुलिस शव कें अपन कब्जा मे लए कए जांच शुरू कए देलक अछि। घटनास्थलक छानबीनक संग आरोपितक गिरफ्तारी लेल छापामारी सेहो कएल जा रहल अछि। घटना बाद गाम मे तनावक स्थिति कायम अछि आ पैघ संख्या मे पुलिस बल तैनात कएल गेल अछि।
बाक्स
वैद्यनाथ हत्याकांड मे डुमरा थानाध्यक्ष आ कांडक आइओ निलंबित
वैद्यनाथ महतोक गोली मारि हत्या मामिला मे गंभीर लापरवाही सामने अएला पर एसपी अमित रंजन डुमरा थानाध्यक्ष पुलिस निरीक्षक मुकेश कुमार आ कांडक अनुसंधानकर्ता पुअनि आदित्य कुमार कें तत्काल प्रभाव सं निलंबित कए देलनि। एसपीक आदेश अनुसार, आरोपितक गिरफ्तारी लेल निर्देश रहितो अपेक्षित कारबाइ नहि कएल गेल। 11 सितंबर कें एक आरोपितक पिता कें पूछताछक लेल थाना आनल गेल छल, मुदा बाद मे छोड़ि देल गेल आ एहि संबंध मे वरीय अधिकारी कें जानकारी नहि देल गेल। अगिला दिन 12 सितंबर कें वैद्यनाथ महतोक हत्या भए गेल।
एसपी कहलनि जे थानाध्यक्ष आ अनुसंधानकर्ताक दिस सं संभावित खतरा आ मामिलाक संवेदनशीलताक उचित आकलन नहि कएल गेल। आवश्यक निरोधात्मक आ सुरक्षात्मक कदम नहि उठाओल गेल। दुनूक निलंबन अवधि मे मुख्यालय पुलिस केंद्र, सीतामढ़ी निर्धारित कएल गेल अछि। मामिलाक विस्तृत जांचक जिम्मेदारी आशीष आनंद कें देल गेल अछि आ हुनका दू दिनक भीतर प्रतिवेदन सौंपबाक निर्देश अछि।