झंझारपुर आ फुलपरास अनुमंडल मे अवैध नर्सिंग होम पर सिविल सर्जनक पैघ कारबाइ
- दू क्लिनिक पर 10-10 हजार रुपैयाक अर्थदंड
- 24 घंटाक भीतर बंद करबाक आदेश
- झंझारपुरक मां दुर्गा अस्पताल कें सील करबाक निर्देश
- सीएस पीएचसी प्रभारी कें पठौलनि पत्र
झंझारपुर, समदिया
बिना निबंधन आ निर्धारित मानकक अनुपालनक बिना संचालित निजी क्लिनिक आ नर्सिंग होमक विरुद्ध सिविल सर्जन, मधुबनी द्वारा पैघ कारबाइ कएल गेल अछि। सिविल सर्जन कार्यालय द्वारा एहि संबंधमे तीन अलग-अलग आदेश जारी कएल गेल अछि।
सिविल सर्जनक ज्ञापांक 3804 आ 3803क अनुसार दूटा क्लिनिकक जांच जिला वेक्टर बोर्न रोग नियंत्रण पदाधिकारी, मधुबनी आ प्रभारी उपाधीक्षक, अनुमंडलीय अस्पताल, फुलपरासक संयुक्त टीम द्वारा कएल गेल छल। जांचमे दुनू क्लिनिक बिना निबंधन आ निर्धारित मानकक अनुरूप नहि चलाओल जा रहल भेटल। एहिमे लखनौर प्रखंड आयुर्वेद स्वास्थ्य संस्थान, नंद नगर चौक, तमुरिया आ घोघरडीहा प्रखंडक असंग चौक, बेलहा-ब्रह्मपुरा स्थित ग्रामीण आरोग्य हेल्थ केयर शामिल अछि।
जांच प्रतिवेदनक आधार पर नैदानिक स्थापन (रजिस्ट्रीकरण आ विनियमन) नियमावली, 2013 अंतर्गत दुनू संचालक कें प्रथम अतिलंघनक दोषी मानैत 10-10 हजार रुपैयाक अर्थदंड लगाओल गेल अछि। आदेशमे कहल गेल अछि जे दुनू नर्सिंग होम अथवा क्लिनिक कें 24 घंटाक भीतर बंद कएल जाए आ जिला निबंधन प्राधिकरण, मधुबनीक नामे बैंक ड्राफ्ट जमा करैत अपन स्पष्टीकरण सिविल सर्जन कार्यालयमे उपलब्ध कराओल जाए। आदेशक अनुपालन नहि भेलापर विधिसम्मत कारबाइक चेतावनी देल गेल अछि।
दोसर मामिला झंझारपुर नगर परिषद क्षेत्रक हटिया गाछी स्थित मां दुर्गा अस्पताल सं संबंधित अछि। सिविल सर्जनक पत्रांक 3817 द्वारा प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र, झंझारपुरक प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी कें मां दुर्गा अस्पताल कें दंडाधिकारी आ पुलिस बलक उपस्थिति मे अविलंब सील करबाक निर्देश देल गेल अछि।
सिविल सर्जन पत्रमे कहलनि अछि जे उक्त अस्पतालक जांच अपर मुख्य चिकित्सा पदाधिकारी, मधुबनी आ प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी, झंझारपुर द्वारा कएल गेल छल। जांचमे अस्पताल अवैध रूपें संचालित होइत आ निर्धारित मानकक अनुरूप नहि भेटल। जांच दल अस्पताल कें सील करबाक अनुशंसा केने छल।
एहि अनुशंसाक आलोकमे पीएचसी प्रभारी कें दंडाधिकारी आ पुलिस बलक उपस्थिति मे मां दुर्गा अस्पताल कें अविलंब सील करबाक कारबाइ करबाक निर्देश देल गेल अछि। दंडाधिकारी आ पुलिस बलक तैनाती लेल अनुमंडल पदाधिकारी, झंझारपुर सं संपर्क स्थापित करबाक लेल सेहो कहल गेल अछि।
सिविल सर्जनक एहि कारबाइक बाद झंझारपुर आ फुलपरास अनुमंडल क्षेत्र मे बिना निबंधन आ मानकक विपरीत चलि रहल निजी अस्पताल आ नर्सिंग होम संचालक सभ मे हड़कंप मचल अछि।