बकुआ भरगामा मे दर्जनो परिवार बेघर, सैकड़ो एकड़ फसिल सहित खेत नदी मे बिलीन
- राहितक नाम पर मात्र पॉलिथीन
-
कोसी कटाव पीड़ितक संग सरकारी खानापूर्ति
मधुबनी, समदिया
जिलाक मधेपुर अंचल अंतर्गत बकुआ आ भरगामा पंचायत मे कोसी नदीक भीषण कटाव सं भारी तबाही भेल अछि। कोसीक कटाव सं दर्जनों परिवार बेघर भए गेल छथि आ सैकड़ो एकड़ धानक तैयार फसल सहित जमीन नदी मे विलीन भए गेल अछि। किसान आ खेतिहर मजदूर परिवार खुलल आकाशक नीचां पॉलिथीनक ओट मे रहबाक लेल विवश छथि। एहि गंभीर मानवीय त्रासदी आ प्रशासनक रवैया पर बिहार प्रांतीय खेत एवं ग्रामीण मजदूर यूनियन, मधुबनीक जिलाध्यक्ष कॉम राम नारायण यादव गहिर आक्रोश व्यक्त केलनि। कॉम यादव कहलनि जे प्रभावित क्षेत्रक दौरा कएलाक बाद देखल गेल जे प्रशासन राहतक नाम पर पीड़ित परिवार सभ कें मात्र पॉलिथीनक शीट दए कए औपचारिकता पूरा कए देलक अछि। पीड़ित परिवार सभक रहबाक लेल ने बासक जमीन अछि, ने मकान, ने भोजनक समुचित व्यवस्था आ ने नदी मे बहि गेल फसलक कोनो आकलन कएल गेल अछि आ ने मुआवजा देल गेल अछि।
ओ सरकार सं मांग केलनि जे कोसी कटाव सं बेघर भेल प्रत्येक परिवार कें अविलंब बास लेल जमीन उपलब्ध कराओल जाए आ प्रधानमंत्री आवास योजना अंतर्गत मकान देल जाए। नदी मे विलीन भेल सैकड़ो एकड़ जमीन आ धानक फसलक उचित सरकारी मुआवजा सेहो देल जाए। संगहि सभ पीड़ित परिवारक लेल तत्काल राहति शिविरक व्यवस्था, राशन, शुद्ध पेयजल आ चिकित्सा सुविधा उपलब्ध कराओल जाए। कॉम यादव कहलनि जे प्रत्येक बरख कोसीक कटाव गरीबक जीवन उजाड़ि दैत अछि, मुदा सरकार स्थायी समाधान लेल कटाव निरोधक कोनो ठोस काज नहि करैत अछि। ई मात्र प्राकृतिक आपदा नहि, बल्कि सरकारी उपेक्षाक परिणाम सेहो अछि।