विनोबा भावेक 131म जयंती पर विनोबा आश्रम मे श्रद्धांजलि कार्यक्रम आयोजित
सहरसा, समदिया
आचार्य विनोबा भावेक 131म जयंतीक अवसर पर शुक्रदिन पूरब बाजार स्थित विनोबा आश्रम मे श्रद्धांजलि कार्यक्रम आयोजित कएल गेल। कार्यक्रमक अध्यक्षता अध्यक्ष विकास कुमार सिंह केलनि। एहि अवसर पर उपस्थित लोक सभ आचार्य विनोबा भावेक चित्र पर पुष्प अर्पित कए श्रद्धापूर्वक नमन केलनि।
कार्यक्रम कें संबोधित करैत आशीष रंजन आचार्य विनोबा भावेक विचार सभ कें स्मरण केलनि। ओ कहलनि जे सत्ताक राजनीति सं अलग हटि सेवाइ जीवनक सच्चा उद्देश्य अछि। विनोबा भावेक माननाइ छलनि जे मात्र सरकारक भरोसे गांवक समुचित विकास संभव नहि अछि। गांवक विकास आ कल्याणक जिम्मेदारी ओतुक्का लोकक हाथ मे होमय चाही। वक्ता सभ कहलनि जे सत्य, अहिंसा, ग्राम स्वराज आ आत्मनिर्भरताक आधार पर आचार्य विनोबा भावेक विचार आइयो प्रासंगिक अछि। हुनकर विचार समाज मे एकता, नैतिकता आ स्थायी विकासक दिशा मे मार्गदर्शन करैत अछि। वक्ता सभ लोक सं विनोबा भावेक आदर्श कें अपन जीवन मे उतारबाक आह्वान केलनि। एहि अवसर पर ज्योति कुमार सिंह, वार्ड पार्षद आशीष रंजन, सुरेश सिंह, व्यवस्थापक शंकर सिंह, दीपक कुमार, संजीव कुमार, बीणा देवी सहित अन्य लोक पुष्पांजलि अर्पित कए आचार्य विनोबा भावे कें श्रद्धांजलि देलनि।