– सोनवर्षा आ महिषी प्रखंडक खेल क्लब पदाधिकारी सभ कें देल गेल जानकारी
सहरसा, समदिया
पंचायत स्तर पर खेल गतिविधि कें बढ़ावा देबाक आ ग्रामीण क्षेत्रक बच्चा आ युवा सभ कें खेल सं जोड़बाक उद्देश्य सं ग्राम पंचायत खेल क्लब सभ कें सक्रिय करबाक पहल तेज कएल गेल अछि। एहि क्रम मे शुक्रदिन सोनवर्षा आ महिषी प्रखंडक ग्राम पंचायत खेल क्लबक अध्यक्ष, सचिव आ कोषाध्यक्षक जिला स्तरीय बैसार खेल भवन-सह-व्यायामशाला मे आयोजित कएल गेल। बैठकक अध्यक्षता जिला खेल पदाधिकारी कुमारी तोसी केलनि। जिला खेल पदाधिकारी खेल क्लबक गठन, उद्देश्य, कार्यप्रणाली तथा पदाधिकारीसभक भूमिका आ दायित्वक संबंध मे विस्तार सं जानकारी देलनि। क्लब सभ कें पंचायत स्तर पर बच्चा आ युवा सभ कें खेल सं जोड़बाक, नियमित खेल गतिविधि आ प्रतियोगिताक आयोजन करबाक तथा प्रतिभावान खिलाड़ीसभक पहचान कए हुनका प्रशिक्षण आ प्रतियोगिताक माध्यम सं आगू बढ़ेबाक लेल प्रेरित कएल गेल। बैसार मे खेल मैदान आ उपलब्ध संसाधनक नीक उपयोग, खिलाड़ीसभक नियमित सहभागिता तथा खेल गतिविधिक अभिलेख संधारणक संबंध मे सेहो जानकारी देल गेल। जिला खेल पदाधिकारी कहलनि जे पंचायत स्तर पर खेल क्लबक मजबूत भेला सं ग्रामीण क्षेत्र मे लुकायल खेल प्रतिभा कें उचित मंच भेटत। ओ क्लबक पदाधिकारी सभ सं सक्रिय भूमिका निभबैत बेसी सं बेसी युवा सभ कें खेल गतिविधि सं जोड़बाक अपील केलनि।
================================================