तीन घंटा मे हत्या कांडक उद्भेदन, दू मुख्य अभियुक्त गिरफ्तार
- माइरपीट मे भेल छल युवकक मृत्यु, नवहट्टा पुलिसक त्वरित कारबाइ
सहरसा, समदिया
जिलाक नवहट्टा थाना पुलिस हत्या कए एक मामिलाक महज तीन घंटाक भीतर उद्भेदन करैत दू मुख्य अभियुक्त कें गिरफ्तार कए लेने अछि। सदर एसडीपीओ पंकज कुमार सिंह प्रेस वार्ताक दौरान कहलनि जे 10 सितंबरक राति करीब 8:30 बजे पश्चिम बालू टोला, वार्ड नंबर-09 मे खानापानिक बात कें लए कए नीतीश कुमार महतो अपन पिता सं विवाद कए रहल छलाह। एहि बीच मिथुन महतो आ ओकर परिवारक अन्य सदस्य ओतय पहुंचि गाली-गलौज आ धमकी देबय लगलाह। देखिते देखिते नीतीश कुमार महतो आ मिथुन महतोक बीच मारपीट शुरू भए गेल। मारपीट मे मिथुनक माता-पिता सेहो शामिल भए गेलाह। एहि दौरान नीतीश कुमार महतो गंभीर रूप सं घायल भए गेलाह। हुनका इलाज लेल सदर अस्पताल, सहरसा लए जाओल गेल, जतय चिकित्सक जांचक बाद हुनका मृत घोषित कए देलनि। धर्मेंद्र कुमारक फर्दबयानक आधार पर नवहट्टा थाना मे कांड संख्या 206/2026 दर्ज कएल गेल। मामिलाक गंभीरता कें देखैत पुलिस अधीक्षक विक्रम सिहागक निर्देश पर विशेष टीमक गठन कएल गेल। विशेष टीम तकनीकी आ मानवीय सूचना सं कारबाइ करैत मिथुन महतो आ नूनूलाल महतो कें गिरफ्तार कए लेलनि। पुलिसक अनुसार मामिलाक जांच आगू जारी अछि। कारबाइ करय वाली टीम मे नवहट्टा थानाध्यक्ष राहुल कुमारक संग थाना सशस्त्र बलक जवान शामिल छलाह।
=============================================================