Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

भागलपुर मे दू ठाम तटबंध टूटल, कोसीक बढ़ैत जलस्तर सं बढ़ल चिंता

Avatar
By Samadiya Mithila
September 11, 2026 2 Min Read
0

 

पटना । बिहारक भागलपुर जिलामे बाढ़िक स्थिति लगातार चिंताजनक होइत जा रहल अछि। कोसी नदीक तेज दबाव आ भारी बरखाक बीच दू अलग-अलग जगह पर तटबंध टूटि गेल अछि। नौगछियाक रंगरा चौक प्रखंडक बनिया गाममे पुरान रेलवे लाइनक तटबंधक करीब 15 मीटर हिस्सा कोसीक बाढ़िक पानिक दबावमे ढहि गेल। टूटल हिस्सा सं पानि तेजी सं आसपासक इलाका दिस बहि रहल अछि, जाहि सं साधोपुर, मसुदनपुर, बैसी, भवानीपुर आ बनियाक लोकमे डर बढ़ि गेल अछि। स्थानीय प्रशासन आ लोक स्थिति पर लगातार नजरि रखने अछि, कारण बाढ़िक पानि आसपासक इलाकापर दबाव बना रहल अछि। दोसर घटना नौगछियाक गोपालपुरमे भेल, जतय ब्रह्मोत्तर तटबंधमे करीब 10 मीटरक कटाव भेल अछि। अधिकारीक अनुसार, बृहस्पति देर राति अन्हरि आ बरखा के बाद ई हिस्सा टूटि गेल।

प्रशासन आ स्थानीय लोकनि मिलि कए स्थिति कें काबूमे करबाक आ आगू नोकसान रोकबाक लेल कारबाइ तेज कए देने छथि। एहि तटबंध कें लए पहिनेसं चिंता छल, कारण चारि दिन पहिने एतय रिसाव देखल गेल छल। 10 मीटरक हिस्सा ढहि गेलाक बाद आब आशंका अछि जे पैघ कटाव भेल तं गोपालपुरक पैघ आबादी प्रभावित भए सकैत अछि।

लगातार बाढ़ि कें कारण बड़ी संख्या मे परिवारकें अपन घर छोड़ि कए राहति शिविरमे जाए पड़ल अछि। एखन प्रभावित इलाकामे 27,954 लोक राहति शिविरमे रहि रहल छथि।

आपदा प्रबंधन विभागक प्रधान सचिव संतोष कुमार मल्ल कहलनि जे जे परिवार पिछला पांच दिन सं बाढ़ि कें कारण फंसल छथि, हुनका 7,000 रुपैयाक आर्थिक मदद देल जाएत। ई राशि हुनकर बैंक खातामे सीधा पठाओल जाएत। ई मदद दीर्घ समय सं विस्थापन झेलि रहल परिवारकें तत्काल सहारा देबाक लेल अछि।

बाढ़ि सं शिक्षा व्यवस्था सेहो अस्त-व्यस्त भए गेल अछि। कोसी क्षेत्रक करीब 5,000 स्कूलमे पानि भरि गेल अछि, जाहि सं हजारो छात्रक पढ़ाइ प्रभावित भए रहल अछि। कतेको जगह पर स्कूलक भवनकें राहति आ बचाव कार्यमे उपयोग कएल जा रहल अछि, जाहि सं पढ़ाइ आर बेसी बाधित भए गेल अछि।

सुपौलमे कोसी नदीक जलस्तर फिलहाल स्थिर बताओल जा रहल अछि। शुक्र भोर 6 बजे कोसी बराज सं करीब 1.41 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल, जखनकि बराह क्षेत्र सं 1.07 लाख क्यूसेक पानि छोड़ल गेल।

जलस्तर स्थिर रहला परो अधिकारी नदीक जलस्तर आ दबाव पर लगातार नजरि रखने छथि। भागलपुरमे ताजा तटबंध टूटला आ बिहारक पैघ हिस्सामे एखनहु बाढ़िक स्थिति बनल रहला सं प्रशासन आ स्थानीय लोक आगूक दिनमे स्थिति आर बिगड़बाक आशंका कें लए सतर्क छथि।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

बिहार बाढ़िबिहार सरकारभागलपुर बाढ़ि
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

आजुक ई पेपर

Next

तीन घंटा मे हत्या कांडक उद्भेदन, दू मुख्य अभियुक्त गिरफ्तार

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech