लोक अदालत कें लए कए व्यवहार न्यायालय बेनीपट्टी सभ थानाध्यक्षक बैसार
बेनीपट्टी, समदिया
राष्ट्रीय विधिक सेवा प्राधिकरण, नयी दिल्लीक निर्देशानुसार 12 सितंबर कें व्यवहार न्यायालय, बेनीपट्टी मे राष्ट्रीय लोक अदालतक आयोजन कयल जायत। एहि लेल शुक्रदिन अनुमंडलक सभ थानाध्यक्षक संग अपर मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी बृजनाथ, अनुमंडलीय न्यायिक दंडाधिकारी मनीष राय, मुंसिफ सह न्यायिक दंडाधिकारी मनीष रंजन आ न्यायिक दंडाधिकारी श्रेयाक संचालन मे बैसार आयोजित कयल गेल। बैसार मे अपर मुख्य न्यायिक दंडाधिकारी सभ थानाध्यक्ष कें निर्देश देलनि जे 12 सितंबर कें होमयवला राष्ट्रीय लोक अदालत लेल सभ सुलह योग्य वादक सूचना समय पर पक्षकार कें तामिला करेनाय सुनिश्चित करथि। एकर अतिरिक्त निष्पादन प्रतिवेदन, धारा 156(3) एवं 41(ए), अभियोजन आ विचारणक बीच समन्वय स्थापित करबाक, पूरक अनुसंधान पर जोर देबाक तथा केस डायरी समय पर न्यायालय मे प्रस्तुत करबाक निर्देश सेहो देल गेल।