Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

विद्यापतिधाम रेलवे परिसर मे चलल बुलडोजर, अतिक्रमण पर रेल पुलिस बलक कारबाइ

Avatar
By Samadiya Mithila
September 1, 2026 2 Min Read
0

 

पांच दिन पहिने देल गेल छल अतिक्रमणकारी सभ कें नोटिस

 

विद्यापतिनगर, समदिया

 

पूर्व मध्य रेलवेक हाजीपुर बछवाड़ा रेलखंड पर स्थित विद्यापतिधाम रेलवे स्टेशन आ स्मारक चौकक आसपास रेलवे जमीन पर कएल गेल अतिक्रमणक विरुद्ध मंगलदिन रेलवे प्रशासन कारबाइ कएलक। जेसीबीक सहायता सं दोकानक आगू बनाओल गेल टीन शेड आ अन्य अस्थायी संरचना सभ कें हटाओल गेल। कारबाइक दौरान आरपीएफ, जीआरपीएफ आ स्थानीय पुलिसक जवान तैनात छलाह। रेलवे प्रशासनक दिस सं अतिक्रमणकारी सभ कें करीब पांच दिन पहिने नोटिस जारी कए रेलवे जमीन खाली करबाक निर्देश देल गेल छल। नोटिस भेटलाक बाद अधिकांश दोकानदार अपन दोकानक आगू कएल गेल अस्थायी निर्माण स्वयं हटा लेने छलाह। निर्धारित समय-सीमा समाप्त भेलाक बाद मंगलदिन रेलवे टीम विद्यापतिधाम पहुंचि शेष रहल अतिक्रमण कें जेसीबी सं हटौलक।

 

स्मारक चौकक लग किछु दोकानक आगू टीन शेड आ अन्य अस्थायी निर्माण एखनहुं छल। रेलवे टीम एहि सभ कें चिह्नित कए हटेबाक कारबाइ कएलक। एहि दौरान रेलवे जमीनक मापी सेहो कराओल गेल आ अतिक्रमणक स्थान सभ कें चिह्नित कएल गेल। अतिक्रमण हटेबाक कारबाइक दौरान अंचलाधिकारी कुमार हर्ष, राजस्व अधिकारी अरुण कुमार शर्मा, थानाध्यक्ष सूरज कुमार सहित आरपीएफ, जीआरपीएफ आ स्थानीय पुलिसक पदाधिकारी एवं जवान मौजूद छलाह। सुरक्षा व्यवस्था कें देखैत स्टेशन आ स्मारक चौकक आसपास पर्याप्त संख्या मे पुलिस बल तैनात कएल गेल छल। कारबाइ देखबाक लेल घटनास्थल पर लोकक भीड़ जुटल रहल। हालांकि, अधिकांश दोकानदार पहिने सं अतिक्रमण हटा लेने छलाह, जाहि कारण कारबाइक दौरान कोनो तरहक विवाद नहि भेल आ अभियान शांतिपूर्ण ढंग सं पूरा भए गेल। स्थानीय लोकक कहब अछि जे स्टेशन आ स्मारक चौकक आसपास दोकानक आगू अस्थायी निर्माण आ टीन शेड लगाओल गेल छल, जाहि सं सड़कक कात आवागमन लेल जगह कम भए गेल छल। एहि कारण लोक सभ कें आवाजाही मे कठिनाइ होइत छल। अतिक्रमण हटाओल गेलाक बाद स्टेशन आ स्मारक चौकक आसपासक क्षेत्र पहिनाक अपेक्षा बेसी खुलल-खुलल देखाइ पड़ल। रेल अधिकारी सभ लोक सं रेलवे जमीन पर फेर सं अतिक्रमण नहि करबाक अपील कएलनि। संगहि स्पष्ट कएलनि जे रेलवे भूमि कें अतिक्रमणमुक्त रखबाक लेल आगू सेहो निगरानी आ आवश्यक कारबाइ जारी रहत।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जिला स्तरीय अभिमुखीकरण कार्यशाला आयोजित

Next

सुप्रिता शालिनी बनलीह एमएलएसएम कॉलेजक हिंदी विभागक नव अध्यक्ष

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 05-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 4-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-9-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • भागलपुर मे भाजपा मंडल अध्यक्षक गोली मारि हत्या
  • पटना मे इंजीनियरक पांच ठाम एसवीयूक छापा
  • पश्चिमी कोसी तटबंधक होयत नवीनीकरण, सुरक्षा लेल 270.63 करोड़क डीपीआर कें शीघ्र स्वीकृति भेटत : डॉ. गोपाल जी ठाकुर
  • मिथिला मे श्रद्धापूर्वक मनाओल गेल कुशी अमावस्या

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech