सड़कक दुर्दशा पर ग्रामीणक अद्भुत विरोध, सांसद, विधायक आ मंत्रीक नाम पर रखलनि खदहाक नाम
एक खदहाक नाम सांसद गिरिराज कुंड, दोसरक विधायक कुंदन कुमार कुंड तं तेसरक मंत्री शैलेंद्र कुमार कुंड राखल गेल अछि
बेगूसराय, समदिया
बेगूसराय जिला मे सड़क पर बनल जानलेवा खदहा सभक विरोध मे ग्रामीण एकटा अलगे तरीका अपनौलनि। विकासक दावा सभक बीच पर्रा पंचायतक पर्रा-सरौंजा मुख्य सड़कक जर्जर हालति सं आक्रोशित ग्रामीण सड़क पर बनल पैघ-पैघ खदहा सभक नाम स्थानीय जनप्रतिनिधि आ मंत्री सभक नाम पर राखि देलनि। ग्रामीण सभक एहि व्यंग्यात्मक विरोध प्रदर्शनक चर्चा इलाका मे खूब भए रहल अछि।
ग्रामीण सभक कहब अछि जे सड़कक मरम्मत लेल सांसद आ विधायक सहित संबंधित जनप्रतिनिधि सभ सं कतेको बेर शिकायत कयल गेल, मुदा समस्या पर ध्यान नहि देल गेल। अंततः लोक अपन बात जिम्मेदार जनप्रतिनिधि आ प्रशासन धरि पहुंचेबाक लेल ई अलग तरहक बाट चुनलनि। प्रदर्शनक क्रम मे किछु खदहा पर जनप्रतिनिधि सभक तस्वीर लगाओल गेल आ ओकर नाम विधायक कुंड आ सांसद कुंड राखल गेल।
सड़कक बदहाल स्थिति सं आजिज ग्रामीण सभ एहि प्रदर्शनक आयोजन कयलनि। एहि दौरान सड़क पर बनल पैघ खदहा सभक नाम विधायक कुंदन कुमार कुंड, सांसद गिरिराज सिंह कुंड आ मंत्री शैलेंद्र कुमार कुंड राखल गेल। खदहा सभक एहि नामकरणक माध्यम सं ग्रामीण सभ जनप्रतिनिधि आ प्रशासन पर व्यंग्य करैत अपन विरोध प्रकट कयलनि।
सामाजिक कार्यकर्ता ऋषभ कुमार कहलनि जे पूर्व विधायक अमिता भूषणक कार्यकाल मे एहि सड़कक निर्माण कराओल गेल छल। मुदा 2020 केर बाद पछिला छह वर्ष मे सड़कक मरम्मत लेल कोनो ठोस पहल नहि भेल। सड़क पर जगह-जगह पैघ-पैघ खदहा बनि गेल अछि। हल्का बरखा होइतहि एहि खदहा सभ मे पानि भरि जाइत अछि। एहि कारणें राहगीर आ विशेष रूप सं दुपहिया वाहन चालक सभ कें भारी कठिनाइ होइत अछि। दुर्घटनाक आशंका सेहो बनल रहैत अछि।
ऋषभ कुमारक कहब छलनि जे छह वर्ष बीति गेल, मुदा एहि बीच कोनो विधायक, सांसद वा जनप्रतिनिधि सड़कक स्थिति देखबाक लेल गाम नहि अयलाह। ग्रामीण सभ कतेको बेर शिकायत कयलनि, मुदा सुनवाइ नहि भेल। एहन स्थिति मे विरोध जतेबा लेल खदहा सभक नाम विधायक, सांसद आ मंत्रीक नाम पर रखबाक निर्णय लेल गेल। हुनका आशा अछि जे एहि माध्यम सं जिम्मेदार लोक सभ धरि ग्रामीणक आवाज पहुंचत।
मॉडल पंचायतक दावापर उठल सवाल
ग्रामीण सभक कहब अछि जे एक दिस पर्रा पंचायत कें मॉडल पंचायतक रूप मे प्रस्तुत कयल जाइत अछि, दोसर दिस पंचायतक मुख्य सड़कक दुर्दशा विकासक दावाक वास्तविकता देखबैत अछि। ग्रामीण पप्पू सहनी जनप्रतिनिधि सभक प्रति रोष व्यक्त करैत कहलनि जे चुनावक समय नेता वोट मंगबाक लेल गाम अबैत छथि, मुदा चुनाव समाप्त होइतहि जनताक बुनियादी समस्या बिसरा जाइत छथि।
अखन, ग्रामीण सभक एहि अद्भुत आ व्यंग्यात्मक प्रदर्शनक उद्देश्य सड़कक बदहाली दिस जिम्मेदार जनप्रतिनिधि आ प्रशासनक ध्यान आकृष्ट करेनाइ अछि। आब देखबाक अछि जे एहि विरोधक बाद सड़कक मरम्मत लेल कोनो ठोस पहल होइत अछि वा पर्रा-सरौंजा मुख्य सड़क पर खदहा सभक राज एहि तरहें जारी रहैत अछि।