पथ निर्माण विभागक इंजीनियरक घर सं 10 लाख नकद भेटल
पटना समेत 4 ठाम छापेमारी
सहरसा मे तैनात छथि विजय कुमार
पटना: आय सं बेसी संपत्ति अर्जित करबाक मामिला मे पथ निर्माण विभागक अधीक्षण अभियंता विजय कुमारक 4 ठाम पर विशेष निगरानी इकाई (एसवीयू) छापेमारी कयलक।
बुधदिन सहरसा, औरंगाबाद आ पटना स्थित हुनकर ठिकाना सभ पर टीम छापेमारी कयलक। विजय कुमार एखन सहरसा मे तैनात छथि।
सहरसा स्थित हुनकर कार्यालय आ आवासक अतिरिक्त पटना के दानापुर स्थित गोला रोड आ महेश नगर मे सेहो एसवीयू टीम तलाशी लेलक। पटना मे छापेमारीक दौरान 10 लाख रुपैया नकद भेटल।
गोला रोडक महेश नगर स्थित फ्लैट पर जखन निगरानी टीम छापेमारी करबाक लेल पहुंचल तँ पता चलल जे ओ फ्लैट किराया पर देल गेल अछि। एहि जानकारीक बाद टीम दानापुरक गोला रोड स्थित हुनकर आवास पर छापेमारी करबाक लेल पहुंचल।
औरंगाबाद स्थित पैतृक आवास पर छापेमारी
एकर अतिरिक्त अधीक्षण अभियंताक औरंगाबाद जिला के दाउदनगर स्थित पैतृक आवास पर सेहो छापेमारी कयल गेल। एसवीयू के अलग-अलग टीम एके संग सभ चिह्नित ठाम पर पहुंचि दस्तावेज आ संपत्ति सं जुड़ल अभिलेखक जांच कयलक।
सहरसा मे इंजीनियर सं पूछताछ
मिलल जानकारीक अनुसार, निगरानी टीम बुधदिन करीब 12 बजे सहरसा मे अधीक्षण अभियंताक घर आ कार्यालय पर छापेमारी कयलक।
टीम विजय कुमार सं हुनकर कार्यालय मे करीब 30 मिनट तक पूछताछ कयलक। पूछताछक बाद टीम पटना लेल रवाना भऽ गेल।