एमएलसी चुनाव मे हारि पर जदयू मे मंथन, नीतीश, ललन आ निशांत रहलाह अनुपस्थित
उमेश कुशवाहा बजलाह, भाजपा सं फेविकोल सन जुड़ाव
पटना, समदिया
विधान परिषद चुनाव मे 3 सीट पर हारक बाद जनता दल यूनाइटेड (जदयू) बृहस्पतिदिन पटना स्थित पार्टी कार्यालय मे समीक्षा बैठक केलक। एहि बैठक मे पूर्व मुख्यमंत्री आ पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष नीतीश कुमार, केंद्रीय मंत्री ललन सिंह आ स्वास्थ्य मंत्री निशांत कुमार शामिल नहि भेलाह। प्रदेश अध्यक्ष उमेश कुशवाहाक अध्यक्षता मे भेल एहि बैठक मे पार्टीक राष्ट्रीय कार्यकारी अध्यक्ष संजय झा सहित कतेको वरिष्ठ नेता उपस्थित छलाह। बैसार मे विधान परिषद चुनाव मे भेल हारिक कारण, संगठनक कमजोरी आ चुनावक दौरान नेता सभक भूमिका पर विस्तार सं विचार-विमर्श भेल। पार्टी विरोधी गतिविधि मे शामिल छोट-पैघ नेता आ कार्यकर्ता सभ पर कारबाइ करबाक मांग सेहो उठल। बैठक मे निर्णय लेल गेल जे चुनावक दौरान पार्टीक विरोध मे काज करयबला नेता आ कार्यकर्ता सभक पहिचान कए जल्दिए हुनका पार्टी सं निष्कासित कयल जाए।
समीक्षा बैठक मे चुनाव जीतय आ हारयबला उम्मीदवार सभक संग ओहि जिला सभक जिलाध्यक्ष कें सेहो बजाओल गेल छल, जतय मतदान भेल छल। विधान परिषदक 4 सीट पर भेल चुनाव मे जदयू कें मात्र पटना स्नातक सीट पर जीत भेटल, जखन कि शेष 3 सीट पर पार्टी कें हारक सामना करय पड़ल। एहि हारिक पाछू रहल कारण आ संगठनात्मक स्तर पर भेल चूक पर नेता सभ अपन-अपन विचार रखलनि।
कतय-कतय गलती भेल, ओकरा चिह्नित कएल गेल अछि
बैठक सं पहिने भाजपा सं गठबंधनक संबंध पर पूछल गेल सवालक जवाब दैत जदयू प्रदेश अध्यक्ष उमेश कुशवाहा कहलनि जे भाजपा सं हमर सभक गठजोड़ फेविकोल सन मजबूत अछि। जदयू विधायक रणधीर सिंह कहलनि जे बैठक मे चुनावी हारि पर चर्चा भेल अछि। कतय-कतय गलती भेल, तकरा चिह्नित कयल गेल अछि। ओतहि विधायक विनय कुमार चौधरी कहलनि जे समीक्षा बैठक मे शामिल होयल छी। समीक्षा पूरा भेलाक बादे पता चलत जे हमरा सभ सं कतय चूक भेल।
तिरहुत स्नातक सीट सं जदयू प्रत्याशी अभिषेक झा सेहो बैठक मे शामिल होयबाक लेल पहुंचलाह। ओ कहलनि जे चुनाव लोकतांत्रिक प्रक्रिया अछि आ एहि दौरान कतेको तरहक बात होइत रहैत अछि। जे मजबूत होइत छथि, वएह चुनाव लड़ैत छथि आ मैदान मे उतरैत छथि। ओ कहलनि जे पहिने पार्टीक बैठक मे शामिल भए ली, तकर बाद पत्रकार सभक बीच उपस्थित होयब।
एहि बीच, सम्राट चौधरी सरकार मे भूमि सुधार आ राजस्व मंत्री दिलीप जायसवाल कहलनि जे विपक्ष दिन मे सपना नहि देखय। एनडीए पूरा तरहें एकजुट अछि आ गठबंधनक पांचो घटक दल पांच पांडव जकां मजबूती सं एक-दोसराक संग ठाढ़ अछि। ओ कहलनि जे एनडीए मे एहि तरहक बैठक होइत रहैत अछि। पार्टीक वरिष्ठ नेता सभ बैसि आपस मे विचार-विमर्श करैत छथि। एहि मे कोनो असामान्य बात नहि अछि। गठबंधनक कोनो घटक दल मे रोष नहि अछि आ एकजुटता पर संदेह करबाक कोनो कारण नहि।
दोसर दिस, राजद प्रवक्ता एजाज अहमद दावा कयने छलाह जे एनडीए मे सभ किछु ठीक नहि अछि। गठबंधनक भीतर आपसी खींचतान चरम पर अछि। एहि कारणें समीक्षा बैठक बजाओल गेल अछि। मुदा दिलीप जायसवाल विपक्ष पर पलटवार करैत कहलनि जे विपक्ष एहि तरहक माहौल बनेबाक प्रयास कए रहल अछि, मुदा ओकरा एहि प्रयास सं किछु हासिल नहि होयत।