गश्तीक क्रम मे एसआइ रंधीर कुमार कें लागल गोली, मचल अफरातफरी
- सकतपुर थाना क्षेत्रक उजान मे झाड़ीक लग मे भेल घटना, बामा पैर सं आर-पार भेल गोली
तारडीह (दरभंगा), समदिया
सकतपुर थाना क्षेत्रक उजान पंचायत अंतर्गत छिन्नमस्तिका स्थान सं किछुए दूरी पर बृहस्पति कें गश्तीक क्रम मे सहायक अवर निरीक्षक (एएसआइ) रंधीर कुमार कें गोली लागि गेलनि। घटना पाठक पोखर अमताही-लालपुरक लग झाड़ी मे दुपहर करीब 3 बजे भेल। गोली हुनकर बामा पयर मे लागि आर-पार भए गेलनि। घटनाक बाद पुलिस विभाग मे अफरातफरी मचि गेल।
जानकारीक अनुसार, एएसआइ रंधीर कुमार पुलिस टीमक संग इलाकामे गश्त कए रहल छलाह। एहि दौरान पोखरिक लग झाड़ी मे अचानक हुनकर बामा पैर मे गोली लागि गेलनि। गोली कतए सं चलल आ कोन परिस्थिति मे लागल, फिलहाल एकर जानकारी नहि भेटल अछि। कहल जाइत अछि जे गश्ती दल मे शामिल दोसर पुलिसकर्मी सभ कें गोली चलबाक आवाज धरि नहि सुनाइ पड़लनि।
घायल एएसआइ संग रहल पुलिसकर्मी सभ तत्काल प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र तारडीह पहुंचौलनि। ओतय प्रभारी चिकित्सक डॉ. सुमंत कुमार सिंह प्राथमिक उपचार कयलनि। ओ कहलनि जे गोली बामा पैर कें आर-पार कए देने अछि। नीक इलाज लेल हुनका दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल (डीएमसीएच) रेफर कए देल गेलनि।
घटनाक सूचना भेटिते सकतपुर थानाक प्रभारी थानाध्यक्ष मधुलता कुमारी घटनास्थल पर पहुंचलीह। बेनीपुर थानाध्यक्ष पंकज कुमार, बाजितपुर थानाध्यक्ष सहित आन पुलिस अधिकारी सभ सेहो मौका पर पहुंचलाह। पुलिस घटनास्थल कें सुरक्षित कए साक्ष्य जुटेबाक प्रक्रिया शुरू कए देने अछि। क्राइम सीन टेप लगा कए लगपासक इलाकाक छानबीन कयल जा रहल अछि।
घटना सं उठि रहल अछि कतेको रंगक सवाल
एहि बीच सकतपुर थानाध्यक्ष अरविंद कुमार कहलनि जे बहिनक मांगलिक कार्यक्रमक कारण बुधदिन छुट्टी लए ओ घर आबि गेल छलाह। हुनका घटनाक जानकारी भेटल अछि। पुलिस पूरा मामिलाक जांच कए रहल अछि। गश्तीक दौरान पुलिस अधिकारी कें गोली लगबाक घटना कतेको सवाल ठाढ़ कए रहल अछि। गोली के चलौलक, की ई कोनो बाहरी व्यक्तिक गोली छल अथवा कोनो दोसर परिस्थिति मे ई घटना भेल? पुलिस जांचक बादे स्थिति स्पष्ट भए सकत। ओना एहि संबंध मे एसएसपी जगुनाथ रेड्डी कहलनि जे घायल गश्तीक क्रम मे एएसआइ रणधीर कुमार कें गोली मारल गेल अछि। मामिलाक जांच चलि रहल अछि। जे दोषी होयत, कारबाइ कएल जाएत।