सहरसा मे 51,594 मीट्रिक टन धान खरीदक लक्ष्य निर्धारित, 1 नवंबर सं अधिप्राप्ति शुरू
- अनुमानित उत्पादनक आधार पर तय भेल धान खरीदक लक्ष्य
सहरसा, समदिया
खरीफ विपणन मौसिम 2026-27 मे किसान सभ सं धान खरीदबाक लेल बिहार सरकारक खाद्य एवं उपभोक्ता संरक्षण विभाग जिलावार लक्ष्य निर्धारित कए देने अछि। सरकारक सचिव अभय कुमार सिंह जिलाधिकारी सभ कें जारी पत्र मे धानक अनुमानित उत्पादनक आधार पर अधिप्राप्ति तथा उसना आ अरवा चाउरक मिलिंगक लक्ष्य तय कयलनि अछि। जारी तालिकाक अनुसार, सहरसा जिला मे करीब 2 लाख 36 हजार 155 मीट्रिक टन धानक अनुमानित उत्पादनक मोकाबला 51 हजार 694 मीट्रिक टन धान अधिप्राप्तिक लक्ष्य निर्धारित कयल गेल अछि। हालांकि, वास्तविक अधिप्राप्तिक लेल तालिका मे करीब 51 हजार 594 मीट्रिक टनक लक्ष्य अंकित अछि। एहि तरहें अनुमानित उत्पादनक अनुपात मे सहरसा लेल धान खरीदक लक्ष्य तय कयल गेल अछि। धान अधिप्राप्ति 1 नवंबर सं शुरू भए गेल अछि। विभाग स्पष्ट निर्देश देने अछि जे लक्षित जनवितरण प्रणालीक उपभोक्ता सभक आवश्यकता देखैत उसना चाउरक निर्धारित लक्ष्य मे जिला स्तर पर कोनो कमी नहि कयल जा सकैत अछि। एहि लक्ष्य मे कोनो परिवर्तन करबाक लेल राज्य सरकारक अनुमति लेब अनिवार्य होयत। निर्धारित लक्ष्यक अनुरूप सहकारी संगठन सभ सं जुड़ल राइस मिलक माध्यम सं उसना आ अरवा चाउरक मिलिंग कराओल जायत। सरकार खरीफ विपणन मौसिम 2026-27 मे पूरा राज्य लेल 35 लाख मीट्रिक टन धान अधिप्राप्तिक लक्ष्य रखने अछि। यदि निर्धारित लक्ष्यक अनुरूप धान खरीद नहि भए पबैत अछि, तं उसना आ अरवा चाउरक मिलिंग लक्ष्य मे सेहो समानुपातिक संशोधन कयल जायत। किसान सभ अपन संबंधित पैक्स अथवा व्यापार मंडल मे धान बेचि सकताह। जिला प्रशासन कें अधिप्राप्ति काज मे तेजी अनबाक, नियमित समीक्षा करबाक, स्थल निरीक्षण, भंडारण, सत्यापन आ गुणवत्ता पर निगरानी रखबाक निर्देश देल गेल अछि। एकर अतिरिक्त गैर-कृषक तत्व सभ कें अधिप्राप्ति व्यवस्थाक अनुचित लाभ उठयबाक अवसर नहि भेटय, एहि पर विशेष ध्यान देबाक लेल कहल गेल अछि।