Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

राजद विधायक भाई वीरेंद्र जदयू सं कहलनि, आउ, हमसब मिलि कए बनाबी सरकार

Avatar
By Samadiya Mithila
September 15, 2026 2 Min Read
0

 

 

जदयू कहलक – राजद की चाहैत अछि, ओहि सं हमरा सब कें कोनो मतलब नहि अछि

 

पटना, समदिया

नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड (जदयू) कें लालू प्रसाद यादव आ तेजस्वी यादवक पार्टी राष्ट्रीय जनता दल (राजद) बिहार मे गठबंधन सरकार बनेबाक निमंत्रण देने अछि। राजदक वरिष्ठ नेता आ विधायक भाई वीरेंद्र जदयू सं भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केर संग छोड़ि राजदक संग आबय लेल कहलनि। हुनकर कहब छनि जे समान नागरिक संहिता (यूसीसी) पर नीतीश कुमार पहिनहि अपन रुख स्पष्ट कए चुकल छथि। जदयू आ राजद दुनू समाजवादी दल अछि आ दुनूक राजनीति एकहि प्रकारक अछि। तें जदयू कें भाजपाक संग छोड़ि राजदक संग आबि बिहार मे नव सरकार बनेबाक चाही।

भाई वीरेंद्र मंगलदिन अपन बयान मे आरोप लगौलनि जे एनडीएक सरकार नागपुर सं चलि रहल अछि। हुनकर कहब छल जे ई बिहार अछि। एतय नागपुरक निर्णय नहि चलत। बिहार मे यूसीसी लागू नहि करय देब। नीतीश कुमार सेहो एहि मुद्दा पर अपन रुख स्पष्ट कए चुकल छथि। हुनक कहब छल जे भाजपा जेकां लोक सभक संग छोड़ू, एतय आउ आ हम सभ मिलि सरकार बनाबी। भाजपा कें लात मारि कए आउ।

यूसीसी लागू नहि होमय देब : वीरेंद्र

यूसीसीक विरोध करैत राजद विधायक कहलनि जे एकरा बिहार मे कदापि लागू नहि होमय देल जायत। हुनकर कहब छल जे भारत एक धर्मनिरपेक्ष देश अछि आ संविधान सभ धर्मक लोक कें अपन धर्म मानबाक अधिकार दैत अछि। संविधान मे सेहो एहि अधिकारक स्पष्ट उल्लेख अछि।

समाजवादक नाम पर जदयू कें निमंत्रण

भाई वीरेंद्र दावा केलनि जे जदयू अध्यक्ष नीतीश कुमारक संग किछु एहन लोक जुड़ल छथि, जे हुनका पहिने सेहो नोकसान पहुंचा चुकल छथि आ आगू आर नोकसान पहुंचा सकैत छथि। ओ कहलनि जे हम सभ सामाजिक न्याय आ समाजवादक राजनीति करयबला लोक छी। जाहि राजनीति मे अपने छी, ओहि मे हमहूं सभ छी। तें अपना सभक संग आउ आ भाजपा कें लात मारू।

जदयू ठुकरौलक राजदक प्रस्ताव

दोसर दिस, जदयू राजदक एहि प्रस्ताव कें स्पष्ट रूप सं ठुकरा देने अछि। बिहारक उपमुख्यमंत्री आ जदयूक वरिष्ठ नेता विजय चौधरी राजद विधायक भाई वीरेंद्रक बयान पर प्रतिक्रिया दैत कहलनि जे जदयू राजदक सुझाव पर नहि चलैत अछि। राजद की चाहैत अछि, से जदयू लेल महत्वपूर्ण नहि अछि। हुनकर कहब छल जे जदयू कें अपन विचार आ गठबंधन मे शामिल दल सभक विचार सं मतलब अछि।

दू बेर राजदक संग सरकार बना चुकल अछि जदयू

जदयू आ राजदक बीच पहिने सेहो दू बेर गठबंधन भए चुकल अछि। पहिल बेर 2015 सं 2017 धरि राजद, जदयू आ कांग्रेसक महागठबंधनक सरकार रहल। तकर बाद अगस्त 2022 सं जनवरी 2024 धरि दुनू दल फेर एक संग सरकार मे रहल। एहि सरकार मे नीतीश कुमार मुख्यमंत्री आ तेजस्वी यादव उपमुख्यमंत्री छलाह। जनवरी 2024 मे जदयू महागठबंधनक संग छोड़ि फेर एनडीए मे वापसी कए लेने छल।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

ब्रिक्स मे मिथिलाक मखान आ सत्तू पाबि गदगद भेलाह विदेशी पाहुन

Next

आजुक ई पेपर

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 20-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 19-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 17-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 16-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • नेपाल मे हाइडैम निर्माण पर शीघ्र निर्णयक मांग, विजेंद्र यादव कहलनि- डीपीआर मे नहि हो विलंब
  • बसौना मोड़ : राति होइते जे सड़क बनि जाइत अछि रहस्यमय, लगातार दुर्घटना सं बढ़ल चिंता
  • जन सुराजक एमएलसी प्रत्याशी घोषित, प्रशांत किशोरक 10 हजार रोजगारक घोषणा
  • ब्रिक्सक भोज मे हिमालयक बाढ़ि किएक नहि? नेपालक आपदा पर उठल पैघ सवाल
  • आजुक ई पेपर

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech