ब्रिक्स मे मिथिलाक मखान आ सत्तू पाबि गदगद भेलाह विदेशी पाहुन
- एचआर कंसल्टेंसी छोड़ि रजनीश शुरू केलनि मखानक कारोबार, आब करोड़ोंक टर्नओवर
मुजफ्फरपुर, समदिया
दिल्ली मे एचआर कंसल्टेंसीक कारोबार छोड़ि गाम घुरल मुजफ्फरपुरक रजनीश कुमार मखानक कारोबार मे एहन अवसर देखलनि जे आइ हुनकर कारोबार करोड़ोंक टर्नओवर धरि पहुंचि गेल अछि। दिल्ली मे आयोजित ब्रिक्स सम्मेलनक स्वागत किट मे बिहारक मखान आ सत्तू कें स्थान भेटलाक बाद एक बेर फेर मिथिलाक एहि पारंपरिक उत्पादक चर्चा वैश्विक मंच पर भेल अछि। विदेशी प्रतिनिधि आ पत्रकार सभ कें देल जा रहल किट मे मखान आ सत्तू शामिल अछि। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एकरा बिहारक स्वाद, परंपरा आ उद्यमिताक वैश्विक पहिचान बतौलनि।
मखानक बढ़ैत बाजारक एहि कथा मे मुजफ्फरपुरक रजनीश कुमारक नाम सेहो जुड़ि गेल अछि। कोरोना काल मे दिल्लीक कारोबार प्रभावित भेलाक बाद ओ गाम घुरलाह। करीब 25 वर्ष सं दिल्ली मे कारोबार करैत रहल रजनीश एचआर कंसल्टेंसी सहित अन्य कारोबार सं जुड़ल छलाह। कोरोना काल मे कंपनी सभ द्वारा नियुक्ति रोकि देलाक कारण कारोबार पर पैघ असरि पड़ल। एहि दौरान ओ किछु मास गाम मे रहलाह।
गाम मे बेरोजगारीक स्थिति देखलाक बाद स्थानीय उत्पाद, विशेष कए मखान दिस हुनकर ध्यान गेल। सरकार द्वारा मखान आ बिहारक स्थानीय उत्पादक बढ़ावा देबाक चर्चा सेहो हुनका प्रेरित केलक। ओ मखानक कारोबार पर अध्ययन शुरू केलनि आ किसान सभ सं सीधा बात केलनि। रजनीशक मानब छल जे किसान अपन मेहनत सं मखान उपजाबैत छथि, मुदा ओकर पूरा लाभ हुनका नहि भेटैत अछि। बीचक कारोबारी आ बिचौलिया बेसी मार्जिन लैत छथि। ओ एहि भेद कें कारोबारक अवसर बनेबाक निर्णय लेलनि।
दू लोक सं शुरुआत, आब 30-35 लोकक टीम
रजनीश अपन पिता आ दू अन्य लोकक संग मखानक कारोबार शुरू केलनि। शुरुआती समय मे पैकेट स्वयं तैयार करैत छलाह आ मखानक बोरा सेहो स्वयं उतारैत छलाह। पहिने मासिक बिक्री करीब डेढ़ सं दू लाख रुपैया छल। मखानक गुणवत्ता, खरीद आ कारोबारक तरीका बुझय मे सेहो समय लागल। किसान सभ सं कतेको बेर मखान वजनक बदला बोरा हिसाबे भेटैत छल, जाहि मे अलग-अलग गुणवत्ता रहबाक कारण खरीद चुनौतीपूर्ण छल।
एक समय कारोबार बंद करय पड़ल, मुदा पिता द्वारा देल प्रोत्साहन सं ओ फेर शुरुआत केलनि। धीरे-धीरे कारोबार बढ़ैत गेल। आइ मुजफ्फरपुर मे हुनकर टीम मे करीब 30-35 लोक काज करैत छथि। दरभंगा मे हुनकर गोदाम अछि आ मुजफ्फरपुर मे एकटा आरो गोदाम शुरू करबाक तैयारी चलि रहल अछि।
हुनकर मखानक आपूर्ति आब मुजफ्फरपुर वा बिहार धरि सीमित नहि अछि। मुंबई, बेंगलुरु, कानपुर, वाराणसी, दिल्ली, इंदौर सहित देशक कतेको शहर मे मखान पठाओल जा रहल अछि। पड़ोसी देश नेपाल मे सेहो आपूर्ति होइत अछि। हालक बाढ़ि सं नेपालक कारोबार प्रभावित भेल अछि, मुदा पर्व-त्योहारक मौसिम मे देशक भीतर मखानक मांग बनल अछि।