सुपौल मे तेज बरखा सं एनएच डूबल, भागलपुर मे क्रूज फंसल
- 9 जिला मे अलर्ट, 2360 गाम बाढ़ि सं प्रभावित
-
केंद्रीय गृहमंत्री मंत्री अमित शाह केलनि सीएम कें फोन, कहलनि केंद्रीय टीम बाढ़ि प्रभावित क्षेत्रक करत निरीक्षण
पटना, समदिया
राज्य मे बाढ़ि सं भेल क्षतिक आकलन करबाक लेल केंद्रीय टीम बिहार आएत। मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी एहि संबंध मे जानकारी दैत कहलनि जे केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाह फोन कए हुनका एहि बातक जानकारी देने छथि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीक निर्देश पर केंद्रीय टीमक गठन कएल गेल अछि। ई टीम बाढ़ि सं भेल तबाहीक निरीक्षण करत। 16 सितंबर कें केंद्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहानक नेतृत्व मे टीम बिहार आयत। एहि बीच सुपौल मे करीब एक घंटा धरि भेल मूसलाधार वर्षाक बाद राघोपुर मे ईस्ट-वेस्ट कॉरिडोर एनएच-27 आ एनएच-106 पर करीब दू फीट पानि जमा भए गेल। अररिया आ पटना जिलाक किछु इलाका मे सेहो तेज बरखा भेल।
सारणक बनियापुर मे वज्रपात सं एक व्यक्तिक मृत्यु भए गेल, जखन कि दोसर व्यक्ति गंभीर रूप सं घायल अछि। अनचोके भेल वर्षाक समय खेत मे मवेशी चरा रहल लोक सभ पर वज्रपात भेल।
मौसिम विभाग राज्यक 9 जिला मे वर्षाक संभावना व्यक्त केलक अछि। विभागक अनुसार पूर्वी चंपारण, पश्चिमी चंपारण, सीवान, सारण, गोपालगंज, बक्सर, भोजपुर, रोहतास आ कैमूर मे हलुक बरखा भए सकैत अछि।
44 लाख लोक बाढ़ि सं घेरायल
बाढ़िक स्थिति एखनहु चिंताजनक अछि। राज्यक 14 जिलाक 2360 गाम मे करीब 44 लाख लोक बाढ़िक पानि सं प्रभावित छथि। राज्यक आठटा नदी एखनहुं खतराक निशान सं ऊपर बहि रहल अछि। एहि बीच कोलकाता सं वाराणसी जा रहल राजमहल गंगा क्रूज भागलपुर मे छह दिन सं अटकल अछि। गंगाक जलस्तर बढ़लाक कारण क्रूजक गति रुकि गेल अछि। ई क्रूज 5 सितंबर कें विक्रमशिला सेतु पार कए भागलपुर पहुंचल छल आ 6 सितंबर सं गंगा नदी मे लंगर दए कए ठाढ़ अछि। क्रूज पर सवार 9 विदेशी सहित 11 पर्यटक कें सुरक्षित निकालि लेल गेल अछि।
खगड़िया मे दू गोटेक मृत्यु
खगड़िया मे नहेबाक क्रम मे दू सहोदर भाइ गंगाक पानि मे डूबि गेलाह, जाहि सं दुनूक मृत्यु भए गेल। बेगूसराय मे सेहो बाढ़िक पानि मे डूबला सं एकटा कंपाउंडरक मृत्यु भेल अछि। मौसम विशेषज्ञक अनुसार, एखन मध्य भारतक ऊपर कम दबावक क्षेत्र बनल अछि। एहि कारण वर्षाक मुख्य गतिविधि मध्य भारत आ ओकर लगपासक क्षेत्र मे अछि। ई मौसम प्रणाली अगिला 24 घंटा मे दक्षिण-पूर्वी राजस्थान आ उत्तरी गुजरात दिस बढ़ि सकैत अछि।
मानसूनक ट्रफ सेहो एखन मध्य भारत सं गुजरि रहल अछि। एहि कारण बिहार पर एकर प्रत्यक्ष प्रभाव बहुत मजबूत नहि अछि। एहि लेल राज्य मे व्यापक वर्षाक बदला किछु चुनल जिला मे हलुक वर्षाक संभावना अछि।