Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहारमिथिला

यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

Avatar
By Samadiya Mithila
September 14, 2026 3 Min Read
0

 

  • श्याम रजक कहलनि, जहन ई विधेयक संसद मे आयल छल तहन नीतीश कुमार एकर समर्थन केने छलाह मुदा कहने छलाह जे ई बिहार मे लागू नहि होयत

  • संतोष सुमन कहलनि, सभ कें विश्वास मे लए कए होयत विचार-विमर्श

 

पटना, समदिया

समान नागरिक संहिता यानी यूसीसी कें लए कए केंद्रीय गृहमंत्री अमित शाहक बयानक बाद बिहारक राजनीति गरमा गेल अछि। शाह कहलनि अछि जे 2029 केर लोकसभा चुनाव सं पहिने भाजपा आ राजगक सरकारबला सभ 21 राज्य मे समान नागरिक संहिता लागू करबाक लक्ष्य अछि। हुनकर कहब छल जे देशक कतेको राज्य मे यूसीसी लागू भए चुकल अछि।

शाहक एहि बयानक बाद बिहार राजग मे मतभेदक स्वर सेहो सामने आबि गेल अछि। जनता दल यूनाइटेड यानी जदयू स्पष्ट कए देने अछि जे यूसीसी बिहार मे लागू नहि होयत। जदयू विधायक श्याम रजक कहलनि जे जखन यूसीसी विधेयक संसद मे आयल छल, तखन हुनकर नेता नीतीश कुमार स्पष्ट रूप सं कहने छलाह जे ओ विधेयकक समर्थन करैत छथि, मुदा अपन राज्य मे एकरा लागू नहि होमय देताह। रजक कहलनि जे जदयू एखनहु अपन ओहि रुख पर कायम अछि।

संतोष सुमन कहलनि, एक व्यक्तिक बयान पूरा दलक राय नहि

यूसीसी पर गृहमंत्रीक बयानक संबंध मे मंत्री संतोष सुमन कहलनि जे हुनका एहि विषयक जानकारी नहि अछि आ एखन धरि ई मामिला हुनका सभक संज्ञान मे नहि आयल अछि। हुनकर कहब छल जे जं एहि प्रकारक कोनो निर्णय होयत तं राजगक सभ घटक दलक नेता सभ कें विश्वास मे लेल जाएत आ हुनका सभ सं विचार-विमर्श कएल जाएत।

श्याम रजकक बयान पर संतोष सुमन कहलनि जे एक व्यक्तिक कहल बात कें पूरा पार्टीक बयान नहि मानल जा सकैत अछि। हुनकर कहब छल जे एखन एहि विषय पर अपन व्यक्तिगत राय देब उचित नहि होयत। राजग मे कोनो घमासान नहि अछि आ सभ घटक दल मिलि कए एहि विषय पर विचार करत। मुख्यमंत्री सं सेहो बात कएल जाएत। जं विधेयक मे कोनो त्रुटि अथवा गड़बड़ी नहि रहत तं यूसीसी निश्चित रूप सं लागू कएल जाएत।

गिरिराज सिंहक समर्थन

केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह यूसीसीक समर्थन करैत कहलनि जे स्वतंत्रताक बादे तत्कालीन प्रधानमंत्री जवाहरलाल नेहरू कें एकरा लागू करबाक चाही छल। मुदा वोट बैंकक राजनीति देश कें बहुत नोकसान पहुंचौलक। भाजपा प्रवक्ता अजय आलोक कहलनि जे यूसीसी संविधान लागू होयबाक समय सं नीति-निर्देशक सिद्धांतक हिस्सा रहल अछि, मुदा करीब 70 वर्ष धरि एकरा लागू नहि कएल गेल। आब एकरा लागू करबाक दिशा मे डेग बढ़ाओल जा रहल अछि।

 

राजदक सहयोगी दल सं स्पष्ट रुख रखबाक मांग

राजद यूसीसी पर भाजपा गठबंधनक सहयोगी दल सभ सं अपन रुख स्पष्ट करबाक मांग केलक अछि। राजद प्रवक्ता एजाज अहमद कहलनि जे भाजपा अपन एजेंडा आधारित राजनीति कए रहल अछि। हुनकर कहब अछि जे राजगक घटक दल सभ कें स्पष्ट करबाक चाही जे ओ यूसीसीक पक्ष मे छथि अथवा नहि।

21 राज्य मे लागू करबाक लक्ष्य

गृहमंत्री अमित शाह रविदिन मुंबई मे कहलनि जे 2029क लोकसभा चुनाव सं पहिने भाजपा-राजग शासित 21 राज्य मे यूसीसी लागू कएल जाएत। वर्तमान मे 22 राज्य मे राजगक सरकार अछि। उत्तराखंड मे जनवरी 2025 सं यूसीसी लागू अछि, ताहि कारण बांकी 21 राज्य मे एकरा लागू करबाक लक्ष्य बताओल गेल अछि। गुजरात, असम आ मध्य प्रदेश मे यूसीसी लागू करबाक प्रस्ताव विधानसभा सं पारित भए चुकल अछि। आब एहि राज्य सभ मे राष्ट्रपतिक मंजूरी आ अधिसूचना जारी होयबाक प्रतीक्षा अछि। महाराष्ट्र, पश्चिम बंगाल आ छत्तीसगढ़ मे यूसीसी लेल कानून तैयार करबाक उद्देश्य सं समिति गठित कएल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

सुपौल मे तेज बरखा सं एनएच डूबल, भागलपुर मे क्रूज फंसल

Next

प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech