Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी देलनि ज्ञापन, कारी पट्टी लगा कए जतौलनि विरोध

Avatar
By Samadiya Mithila
September 14, 2026 2 Min Read
0

 

  • मांग पूरा नहि भेलापर सामूहिक अवकाश आ आंदोलनक चेतावनी

 

सीतामढ़ी, समदिया

बिहार पंचायत सेवा संघक आह्वान पर प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी सभ अपन विभिन्न लंबित मांग कें लए आंदोलनक रुख अपना लेलनि अछि। संघक दिस सं 8 सितंबर 2026 कें पंचायती राज विभाग, बिहार, पटना कें मांग सं संबंधित ज्ञापन देल गेल छल। मांग पर विस्तृत विचार-विमर्श लेल संघक कार्यकारिणीक बैसार 9 सितंबर कें पटना मे आयोजित भेल छल।

बैसार मे निर्णय लेल गेल छल जे 14 सितंबर 2026 सं प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी काला बिल्ला लगा कए सांकेतिक विरोध प्रदर्शन करताह। सरकारक दिस सं मांग पर सकारात्मक पहल नहि भेलापर संघ आगू सामूहिक अवकाश आ व्यापक आंदोलन करबाक निर्णय लए सकैत अछि। एहि क्रम मे सीतामढ़ी जिला मे पदस्थापित प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी सभ जिलाध्यक्षक नेतृत्व मे जिला पंचायत राज पदाधिकारीक समक्ष अपन मांगपत्र देलनि। ज्ञापन देनिहार मे सोनबरसा प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारी रौशन कुमार झा, परसौनीक अभिनव गिरि, मेजरगंजक विशाल राव आ रीगाक कुंदन कुमार चौधरी शामिल छलाह। पदाधिकारी सभ कहलनि जे हुनकर विभिन्न मांग दीर्घकाल सं लंबित अछि। मांग सभक समाधान भेलापर पंचायत प्रशासन आ विभागीय काज कें बेसी प्रभावी ढंग सं संचालित करब संभव होयत।

संघक प्रमुख मांग मे प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारीक पद कें राजपत्रित पद घोषित करब, बीपीआरओ कें फेर कार्यपालक पदाधिकारी (पंचायत समिति)क दायित्व देब, प्रथम प्रोन्नति कें लेवल-7 सं लेवल-9 करब आ वेतन विसंगतिक निराकरण करब शामिल अछि। एहि अतिरिक्त बीपीआरओ कें डीडीओ (आहरण एवं संवितरण पदाधिकारी)क अधिकार देबाक, बिहार पंचायत सेवाक पुनर्गठन कए सभ प्रोन्नति पद पर प्रखंड पंचायत राज पदाधिकारीक पदस्थापनक व्यवस्था करबाक मांग कएल गेल अछि। संघ एसीईओ आ एडीपीआरओ लेल कार्यालय, वाहन आ पंचायत सं संबंधित समस्त कार्य-दायित्व उपलब्ध करबाक मांग सेहो रखलक अछि। एकर संगहि पंचायत आ प्रखंड कार्यालयक तर्ज पर प्रखंड पंचायत कार्यालय मे लिपिक पदक सृजन करबाक आ बीपीआरओ कार्यालयक संचालन लेल कार्यालय व्यय हेतु आकस्मिक निधि (कंटीजेंसी)क व्यवस्था करबाक मांग कएल गेल अछि। संघ स्पष्ट कएलक अछि जे मांग पर शीघ्र सकारात्मक निर्णय नहि भेलापर आंदोलन कें आगू बढ़ेबाक लेल आवश्यक कदम उठाओल जायत। पदाधिकारी सभ कहलनि जे फिलहाल सांकेतिक रूप सं विरोध शुरू कएल गेल अछि, मुदा मांगक अनदेखी भेलापर आंदोलनक स्वरूप व्यापक भए सकैत अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews#Mithila
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

यूसीसी पर बिहार एनडीए मे घमासान, जदयू विधायक बजलाह – बिहार मे लागू नहि होयत

Next

बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

No Comment! Be the first one.

Leave a ReplyCancel reply

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 15-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 14-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 13-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 12-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 11-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 10-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 9-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 8-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-09-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 06.09.2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • संभावित बाढ़ि सं निपटबाक लेल तैयारी अद्यतन रखबाक प्रभारी मंत्रीक निर्देश
  • 17 जिलाक लेल मौसिम अलर्ट जारी, बरखा आ वज्रपातक आशंका
  • पप्पू यादव बाढ़ि कें लए केंद्र सरकार पर साधलनि निशाना, कहलनि-चुनाव मे देखाइत अछि हेलीकॉप्टर, संकट मे नेता गायब
  • बाढ़िक स्थायी समाधानक लेल प्रयास जारी, शिवराजक नेतृत्व मे टीम करत क्षतिक आकलन : सम्राट चौधरी

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech