10.98 लाख लोकक होयत स्वास्थ्य जांच, 90 दिन धरि चलत विशेष अभियान
- डीएम दीपेश कुमार जागरूकता रथ कें हरियर झंडी देखा कए कएलनि विदा
-
मधुमेह, उच्च रक्तचाप आ कैंसरक होयत जांच
सहरसा, समदिया
जिला स्वास्थ्य समितिक द्वारा एनपी-एनसीडी कार्यक्रमक अंतर्गत जांच एवं उपचार चिकित्सा अहांक द्वार अभियानक बुधदिन शुभारंभ जिलाधिकारी दीपेश कुमार जागरूकता रथ कें हरियर झंडी देखा कए कएलनि। 90 दिन धरि चलएवला ई अभियान 2 सितंबर सं 30 नवंबर 2026 धरि जिला मे संचालित होयत। अभियानक राज्यस्तरीय शुभारंभ मुख्यमंत्री सम्राट चौधरी पटना मे अवस्थित ऊर्जा स्टेडियम सं वीडियो सम्मेलनक माध्यम सं कएलनि। अभियानक अंतर्गत जिलाक 245 चिन्हित चिकित्सा संस्थानक माध्यम सं 30 बरख सं बेसी आयुक करीब 10 लाख 98 हजार लोकक स्वास्थ्य जांच करबाक लक्ष्य निर्धारित कएल गेल अछि। एहि क्रम मे मधुमेह, उच्च रक्तचाप आ कैंसर सहित विभिन्न गैर-संचारी रोगक समय पर पहचान, आवश्यक परामर्श आ उपचारक सुविधा उपलब्ध कराओल जायत। जिलाधिकारी दीपेश कुमार कहलनि जे गैर-संचारी रोगक समय पर पहचान प्रभावी उपचार आ नीक स्वास्थ्य प्रबंधनक महत्वपूर्ण कड़ी अछि। ओ जिलावासीक अपील कएलनि जे अभियानक लाभ उठबैत अपन स्वास्थ्य जांच अवश्य कराबथि। सिविल सर्जन डॉ. राजनारायण प्रसाद कहलनि जे जिला अस्पताल, अनुमंडलीय अस्पताल, रेफरल अस्पताल आ प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र सहित सभ संबंधित स्वास्थ्य संस्थानक दल कें अभियान लेल सक्रिय कएल गेल अछि। जिला गैर-संचारी रोग पदाधिकारी डॉ. एस.एस. मेहता कहलनि जे लोक कें घरक लग-पास निःशुल्क स्वास्थ्य जांच आ आवश्यक स्वास्थ्य सेवाक सुविधा उपलब्ध करयबाक दिशा मे विशेष जोर देल जा रहल अछि। जिला कार्यक्रम प्रबंधक सिंपी कुमारी कहलनि जे अभियान लेल विस्तृत सूक्ष्म योजना तैयार कएल गेल अछि। स्वास्थ्य कार्यकर्ता, एएनएम आ आशा कार्यकर्ताक जिम्मेवारी निर्धारित कएल गेल अछि। अभियानक पहिल दिन जिला अस्पताल मे 73 आ अनुमंडलीय अस्पताल मे 59 लोकक स्वास्थ्य जांच कएल गेल। कार्यक्रम मे डीडीसी गौरव कुमार, सहायक समाहर्ता केतन शुक्ला, सिविल सर्जन सहित अन्य पदाधिकारी आ स्वास्थ्यकर्मी उपस्थित छलाह।
===================================================