किसान कें उर्वरकक निर्बाध उपलब्धता कोनहु हाल मे सुनिश्चित करी : डीएम
- किसान सं जुड़ल योजनाक डीएम कएलनि समीक्षा, लक्ष्य शत प्रतिशत पूरा करबाक देलनि निर्देश
-
उर्वरकक कालाबाजारी पर सख्ती, अनियमितता भेटला पर होयत कठोर कारबाइ
मधुबनी, समदिया
जिलाधिकारी आनंद शर्माक अध्यक्षता मे वीडियो सम्मेलनक माध्यम सं जिलास्तरीय कृषि कार्यबलक बैसार आयोजित कएल गेल। बैसार मे किसान पंजीकरण, डिजिटल फसल सर्वेक्षण, खरीफ फसल आच्छादन, उर्वरकक उपलब्धता सहित विभिन्न कृषि योजनाक प्रगतिक विस्तृत समीक्षा कएल गेल। समीक्षक दौरान अधिकारी द्वारा जानकारी देल गेल जे जिला मे खरीफ फसलक 92.08 प्रतिशत आच्छादन पूरा भए चुकल अछि। ओतहि किसान पंजीकरणक अंतर्गत एखन धरि 1,80,372 किसानक किसान पहचान संख्या बनाओल जा चुकल अछि। एकर अतिरिक्त 1,11,466 भू-खंडक डिजिटल फसल सर्वेक्षण सेहो पूरा कएल गेल अछि।
जिलाधिकारी संबंधित पदाधिकारी सभ कें किसान पंजीकरण आ डिजिटल फसल सर्वेक्षणक कार्य मे आरो तेजी अनबाक निर्देश देलनि। ओ निर्धारित लक्ष्यक अनुरूप शत-प्रतिशत उपलब्धि सुनिश्चित करबाक संग कार्यक नियमित निगरानी करबाक लेल कहलनि। बैसार मे परंपरागत कृषि विकास योजनाक सेहो समीक्षा कएल गेल। बताओल गेल जे एहि योजनाक अंतर्गत 1,000 हेक्टेयर क्षेत्र मे योजनाक संचालन कएल जायबाक अछि। एकर लेल चयनित 4 प्रखंड मे समूह आधारित सब्जीक खेती कएल जा रहल अछि आ किसानक चयनक कारबाइ प्रक्रियाधीन अछि। जिलाधिकारी संबंधित अधिकारी सभ कें निर्धारित प्रक्रियाक अंतर्गत किसानक चयनक कारबाइ शीघ्र पूरा करबाक आ योजनाक प्रभावी क्रियान्वयन सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि।
उर्वरकक उपलब्धताक समीक्षा क्रम मे बताओल गेल जे जिला मे उर्वरक पर्याप्त मात्रा मे उपलब्ध अछि। जिलाधिकारी किसान सभ कें उर्वरकक निर्बाध उपलब्धता सुनिश्चित करबाक लेल संबंधित पदाधिकारी सभ कें आवश्यक कारबाइ करबाक निर्देश देलनि। ओ उर्वरकक कालाबाजारी, जमाखोरी आ निर्धारित मूल्य सं बेसी कीमत पर बिक्री पर प्रभावी नियंत्रण कायम रखबाक सेहो निर्देश देलनि। एहि संबंध मे जिला मे लगातार छापामारी अभियान चलाओल जा रहल अछि। जिलाधिकारी अधिकारी सभ कें सघन निगरानी कायम रखबाक आ कोनो प्रकारक अनियमितता भेटलापर नियमानुसार कठोर कारबाइ सुनिश्चित करबाक लेल कहलनि। बैसार मे कृषि विभागक संबंधित पदाधिकारी सहित अन्य विभागक संबंधित अधिकारी वीडियो सम्मेलनक माध्यम सं उपस्थित रहलाह।