बीएसएफसी गोदामक राज्य खाद्य आयोगक सदस्य केलक औचक निरीक्षण
– रखरखाव सुदृढ़ करबाक निर्देश, मजदूर सभक बकाया भुगतानक देलनि भरोसा

सहरसा, समदिया
सिमरी बख्तियारपुर स्थित बीएसएफसी गोदाम मे मंगलदिन राज्य खाद्य आयोगक सदस्य अंगद कुशवाहा आ नरेंद्र ऋषि औचक निरीक्षण कएलनि। स्थानीय स्तर पर प्राप्त शिकायतसभक आलोक मे कएल गेल एहि निरीक्षण सं गोदाम परिसर मे किछु समय धरि चहल-पहल बनल रहल। निरीक्षणक क्रम मे आयोगक सदस्य सभ गोदाम मे भंडारित चाउर आ गहूमक गुणवत्ता, भंडारण व्यवस्था तथा रखरखावक बारीकी सं निरीक्षण कएलनि। निरीक्षणक उपरांत पत्रकार सभ सं वार्ता करैत सदस्य सभ कहलनि जे गोदाम मे रखल खाद्यान्नक गुणवत्ता संतोषजनक भेटल अछि। प्रारंभिक जांच मे कोनो प्रकारक अनियमितता अथवा भ्रष्टाचारक पुष्टि नहि भेल अछि।
यद्यपि आयोगक सदस्य सभ बीएसएफसीक सहायक प्रबंधक प्रकाश कुमार कें खाद्यान्नक सुरक्षित भंडारण सुनिश्चित करबाक संबंध मे आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि। ओ चूहा आ नमी सं होमयवला क्षति कें रोकबाक लेल तत्काल प्रभावी उपाय करबाक निर्देश देलनि, जाहि सं सरकारी खाद्यान्न सुरक्षित रहय आ लाभुक सभ कें गुणवत्तापूर्ण राशन उपलब्ध भए सकय। एहि दौरान मीडियाक माध्यम सं परिवहनकर्ता सभ आ मजदूरसभक बकाया मेहनताना संबंधी प्रश्न उठाओल गेल। एहि पर आयोगक सदस्य सभ एकरा गंभीर विषय बतबैत कहलनि जे राज्य सरकारक उच्चाधिकारी सभ सं शीघ्र वार्ता कए मजदूरसभक लंबित भुगतानक प्रक्रिया कें तीव्र करबाक प्रयास कएल जाएत।
गोदामक निरीक्षणक उपरांत आयोगक दल रायपुरास्थित कस्तूरबा गांधी बालिका विद्यालय सेहो पहुंचल। ओतय सदस्य सभ छात्रा सभ सं पढ़ाइ, छात्रावास, भोजन तथा अन्य आधारभूत सुविधासभक संबंध मे जानकारी प्राप्त कएलनि आ हुनक प्रतिक्रिया सुनलनि। निरीक्षणक उपरांत विद्यालय प्रशासन कें आवश्यक सुधारात्मक निर्देश सेहो देल गेल। निरीक्षणक अवसर पर बीएसएफसीक सहायक प्रबंधक प्रकाश कुमार, ऑपरेटर शिवेक कुमार, रघुनंदन सिंह, राकेश कुमार सहित अन्य अधिकारी, कर्मचारी आ स्थानीय मजदूर सभ उपस्थित छलाह।