डीएमक मे जनसंवाद कार्यक्रम विभिन्न विभाग सं जुड़ल जनसमस्याक भेल सुनवाइ
- शिकायतक समाधान मे लापरवाही नहि होयबाक चेतावनी
समस्तीपुर, समदिया
जिलाधिकारी रोशन कुशवाहाक अध्यक्षता मे सोमदिन समाहरणालय सभागार मे जनसंवाद कार्यक्रम आयोजित कयल गेल। एहि दौरान जिलाक विभिन्न क्षेत्र सं आयल आम नागरिक सभ अपन समस्या आ शिकायत जिलाधिकारीक समक्ष रखलनि। विभिन्न विभाग सं संबंधित आवेदन पर सुनवाइ करैत डीएम संबंधित पदाधिकारी सभ कें त्वरित आ नियमानुसार निष्पादन करबाक निर्देश देलनि। जनसंवाद मे मुख्य रूप सं राजस्व एवं भूमि सुधार, आपूर्ति, बिजली, परिवहन, सामाजिक सुरक्षा, ग्रामीण विकास, पंचायती राज, शिक्षा, स्वास्थ्य आ नगर निकाय सहित अन्य विभाग सं जुड़ल मामिला उठल। राजस्व विभाग सं संबंधित भूमि विवाद, दाखिल-खारिज, परिमार्जन, जमाबंदी आ भूमि मापी संबंधी शिकायत सभ प्राप्त भेल। आपूर्ति विभाग सं जुड़ल राशन कार्ड, खाद्यान्न वितरण आ जनवितरण प्रणालीक समस्या सेहो नागरिक सभ उठौलनि। ओतहि बिजली बिल, विद्युत आपूर्ति आ अन्य उपभोक्ता समस्या तथा परिवहन विभाग सं संबंधित शिकायत पर सेहो सुनवाइ कयल गेल।
जिलाधिकारी सभ संबंधित पदाधिकारी कें निर्देश देलनि जे प्राप्त आवेदनक गंभीरतापूर्वक जांच कय निर्धारित समय-सीमा मे नियमानुसार कारबाइ सुनिश्चित करथि। जनशिकायतक निष्पादन मे अनावश्यक देरी अथवा लापरवाही नहि होयबाक चाही। जाहि मामिला मे स्थलीय जांच आवश्यक अछि, ताहि मे संबंधित पदाधिकारी स्वयं अथवा अपन अधीनस्थ कर्मी सभक माध्यम सं जांच कराकए उचित कारबाइ करथि। डीएम कहलनि जे जनसंवाद आम नागरिक आ जिला प्रशासनक बीच सीधा संवाद स्थापित करबाक महत्वपूर्ण माध्यम अछि। एकर उद्देश्य लोकक समस्या सुनब, हुनकर कठिनाइ बुझब आ संबंधित विभागक माध्यम सं प्रभावी समाधान सुनिश्चित करब अछि।
कार्यक्रम मे अपर समाहर्ता ब्रजेश कुमार, जिला परिवहन पदाधिकारी प्रवीण कुमार, जिला पंचायत राज पदाधिकारी विष्णु देव मंडल, वरीय उप समाहर्ता धर्मराज, सामान्य शाखाक प्रभारी अंजलि कुमारी सहित विभिन्न विभागक पदाधिकारी आ संबंधित कर्मी उपस्थित छलाह। जिलाधिकारी सभ पदाधिकारी कें अपन-अपन विभाग सं संबंधित जनशिकायतक नियमित समीक्षा करबाक आ आवेदक सभ कें कयल गेल कारबाइक जानकारी देबाक निर्देश सेहो देलनि।