Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

मिथिला

छठि पर्वक तैयारीक लेल डीएम आ डीडीसी कएलनि पोखरि आ छठि घाटक निरीक्षण

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 2 Min Read
Comments Off on छठि पर्वक तैयारीक लेल डीएम आ डीडीसी कएलनि पोखरि आ छठि घाटक निरीक्षण

 

  • निर्माण कार्य समय-सीमा मे पूरा करबाक निर्देश, साफ-सफाई, प्रकाश आ सुरक्षा व्यवस्था पर देलनि जोर

समस्तीपुर, समदिया

छठि पर्व पर व्रती आ श्रद्धालु सभक सुविधा, सुरक्षा आ सुगम पूजाक व्यवस्था सुनिश्चित करबाक लेल जिलाधिकारी रोशन कुशवाहा आ उप विकास आयुक्त सूर्य प्रताप सिंह सरायरंजन प्रखंडक खजरी पंचायत मे निर्माणाधीन पोखर आ छठि घाटक निरीक्षण कयलनि। एहि दौरान संबंधित पदाधिकारी सभ सेहो उपस्थित छलाह। अधिकारी सभ निर्माण कार्यक प्रगति देखलनि आ आवश्यक दिशा-निर्देश देलनि। निरीक्षणक क्रम मे जिलाधिकारी निर्माणाधीन पोखर आ छठि घाट सं संबंधित काजक समीक्षा कयलनि। ओ निर्देश देलनि जे छठि पर्व सं पहिने सभ आवश्यक निर्माण आ विकास कार्य निर्धारित समय-सीमा मे गुणवत्तापूर्ण ढंग सं पूरा कयल जाय, जाहि सं व्रती आ श्रद्धालु सभ कें पूजा-अर्चना मे कोनो तरहक असुविधा नहि हो। जिलाधिकारी घाट पर श्रद्धालु सभक सुविधा के ध्यान मे रखैत समुचित साफ-सफाई, पहुंच पथ, पर्याप्त प्रकाश व्यवस्था आ सुरक्षा संबंधी उपाय सुनिश्चित करबाक निर्देश देलनि। ओ कहलनि जे छठि लोक आस्थाक महापर्व अछि। एहि अवसर पर जिला प्रशासनक प्राथमिकता श्रद्धालु सभ कें सुरक्षित, स्वच्छ आ सुव्यवस्थित वातावरण उपलब्ध करायब अछि। एहि लेल सभ संबंधित विभाग आ पदाधिकारी सभ कें समय रहैत अपन जिम्मेदारी पूरा करबाक चाही।

उप विकास आयुक्त सूर्य प्रताप सिंह सेहो निर्माण कार्यक प्रगतिक समीक्षा कयलनि। ओ संबंधित पदाधिकारी सभ कें आपसी समन्वय बनाकए काज करबाक आ निर्माणक गुणवत्ता पर विशेष ध्यान देबाक निर्देश देलनि। संगहि सभ कार्य समय पर पूरा करबाक लेल आवश्यक कदम उठेबाक बात कहलनि। जिलाधिकारी स्पष्ट कयलनि जे छठि पर्वक दौरान श्रद्धालु सभक सुविधा आ सुरक्षा मे कोनो लापरवाही बर्दाश्त नहि कयल जायत। निरीक्षणक दौरान जे कमी वा आवश्यकता सभ सामने आयल अछि, ताहि पर त्वरित कारबाइ करबाक निर्देश देलनि। जिला प्रशासन द्वारा आगामी छठि पर्व शांतिपूर्ण, सुरक्षित आ सुव्यवस्थित वातावरण मे संपन्न करयबाक लेल तैयारी कयल जा रहल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

नगर परिषदक वार्ड-20 मे सड़क निर्माण पर बवाल, घंटों चलैत रहल हंगामा

Next

डीएमक मे जनसंवाद कार्यक्रम विभिन्न विभाग सं जुड़ल जनसमस्याक भेल सुनवाइ

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech