Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

नगर परिषदक वार्ड-20 मे सड़क निर्माण पर बवाल, घंटों चलैत रहल हंगामा

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 2 Min Read
Comments Off on नगर परिषदक वार्ड-20 मे सड़क निर्माण पर बवाल, घंटों चलैत रहल हंगामा

 

 

निजी जमीन बताक’ भू-स्वामी सभ रोकलनि काज, करीब 18 पुलिसकर्मीक मौजूदगी मे फेर शुरू भेल खुदाई

झंझारपुर, समदिया।

 

नगर परिषद क्षेत्रक वार्ड संख्या-20 मे प्रस्तावित सड़क निर्माणके लए’ सोमदिन जमि कए हंगामा भेल। उपकारा (जेल)क दक्षिण दिस सं बेहट गाम जायवला सड़कक निर्माण करबाक लेल पहुंचल नगर परिषदक टीमके स्थानीय भू-स्वामीसभक कड़ा विरोधक सामना करय पड़ल।

 

प्राप्त जानकारीक अनुसार सड़क निर्माण सं पहिने नालाक लेल खद्घा खोदबाक उद्देश्य सं नगर परिषदक जेई दीपक कुमार मौका पर पहुंचल छलाह। हुनका संग झंझारपुर आरएस थानाध्यक्ष माया कुमारीक नेतृत्व मे करीब 18 पुलिसकर्मीक तैनाती कयल गेल छल। एहि दौरान अपना के जमीनक मालिक बताबैत मंजू सिंह, अनिल सिंह सहित आन लोक निर्माण कार्य रोकि देलनि। विरोध करयवला लोकनिक आरोप छलनि जे नगर परिषद हुनकर निजी जमीन पर जबरदस्ती सड़क आ नाला बनाबय चाहैत अछि। ओ सभ निर्माण सं संबंधित सक्षम प्राधिकारक आदेश देखयबाक मांग कयलनि।

 

समाचार संकलनक दौरान घटनास्थल पर एको गोट दंडाधिकारी मौजूद नहि छलाह। एहि संबंध मे थानाध्यक्ष माया कुमारी आ जेई दीपक कुमार सं पूछल गेलापर दुनू गोटे दंडाधिकारीक प्रतिनियुक्ति संबंध मे स्पष्ट जानकारी नहि देलनि। थानाध्यक्ष बतौलनि जे नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी पुलिस बल उपलब्ध करयबाक लेल पत्र देने छलाह। ओही आधार पर पुलिस बल तैनात कयल गेल छल।

 

भू-स्वामीसभक विरोधक कारण किछु समय धरि निर्माण कार्य बाधित रहल। बाद मे पुलिसक मौजूदगी मे फेर खद्घा खोदबाक काज शुरू करा देल गेल। विरोध करयवला भू-स्वामी सभ कहलनि जे ओ एहि मामिलाके लए’ न्यायालयक शरण लेताह।

 

एहि जमीन विवाद पर जेई दीपक कुमारक कहब छलनि जे अनुमंडल लोक शिकायत निवारण पदाधिकारीक स्तर पर मामिलाक सुनवाइ भए चुकल अछि। सुनवाईक दौरान भू-स्वामी सभ ढाई कट्ठा जमीनक कागजात प्रस्तुत कयने छलाह। ओहि कागजातक आधार पर हुनकर जमीन हुनके कब्जा मे रहबाक बात सामने आयल छल।

 

दोसर दिस, भू-स्वामी अनिल सिंह दावा कयलनि जे हुनका लग तीन कट्ठा जमीनक कागजात अछि। ओ कहलनि जे ओ एहि निर्णयके न्यायालय मे चुनौती देताह।

 

बताओल गेल जे ई सड़क सुधीर झाक घर सं वसंत मिश्रक घर धरि बनयबाक अछि। सड़कक अधिकांश हिस्सा पहिनहि बनि चुकल अछि, मुदा निजी जमीनक विवादक कारण किछु महीना सं एकटा हिस्सा पर निर्माण कार्य रुकल छल। फिलहाल पुलिसक मौजूदगी मे ओहि हिस्सा पर निर्माण कार्य फेर शुरू करा देल गेल अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

वैशाली मे 2 करोड़क आभूषण लूटक आरोपीक इनकाउंटर, दहिना पैर मे लागल गोली

Next

छठि पर्वक तैयारीक लेल डीएम आ डीडीसी कएलनि पोखरि आ छठि घाटक निरीक्षण

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech