Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

वैशाली मे 2 करोड़क आभूषण लूटक आरोपीक इनकाउंटर, दहिना पैर मे लागल गोली

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 2 Min Read
Comments Off on वैशाली मे 2 करोड़क आभूषण लूटक आरोपीक इनकाउंटर, दहिना पैर मे लागल गोली

 

 

  • पुलिस आ एसटीएफक घेराबंदी पर आरोपित केलक फायरिंग

  • जवाबी कारबाइ मे भेल घायल, 2025 मे समस्तीपुर न्यायालय परिसर सं फरार भेल छल

 

वैशाली, समदिया

वैशाली जिला मे लूट आ आर्म्स एक्ट सहित गंभीर आपराधिक मामिला सभक आरोपितक पुलिस आ एसटीएफ सं मुठभेड़ भए गेल। सदर थाना क्षेत्रक मरमला चौर मे रविदिन देर राति भेल मुठभेड़ मे आरोपित राजनंदन कुमार उर्फ छोटूक दहिना पैर मे गोली लगला सं घायल भए गेल। पुलिस ओकरा पकड़ि इलाज लेल हाजीपुर सदर अस्पताल मे भर्ती करा देलक अछि। ओ पुलिस हिरासत मे अछि। पुलिसक कहब अछि जे समस्तीपुर मे करीब 2 करोड़ टाकाक आभूषण लूटक मामिला मे आरोपित छोटू कें पकड़बाक लेल पुलिस आ एसटीएफक संयुक्त टीम पहुंचल छल। एहि दौरान आरोपित पुलिस दल पर गोली चलाबय लागल। जवाब मे पुलिस सेहो गोली चलौलक। एहि क्रम मे ओकर दहिना पैर मे गोली लागल।

आरोपित पर दर्ज अछि करीब 17 आपराधिक मामिला

घायल आरोपितक पहिचान सदर थाना क्षेत्रक दिग्घी कला निवासी चंदेश्वर रायक बेटा राजनंदन कुमार उर्फ छोटूक रूप मे भेल अछि। पुलिसक अनुसार, ओकरा पर वैशाली आ समस्तीपुर जिला मे लूट, हत्या, डकैती, आर्म्स एक्ट, उत्पाद अधिनियम आ एनडीपीएस एक्ट सहित करीब 17 आपराधिक मामिला दर्ज अछि। ओ समस्तीपुरक चर्चित अनिल ज्वेलर्स लूटकांडक मुख्य आरोपित अछि।

15 मिनट धरि दोकान मे रहल छल अपराधी

23 नवंबर 2023 कें समस्तीपुरक पुरानी पोस्ट ऑफिस रोड स्थित अनिल ज्वेलरी शॉप मे करीब 2 करोड़ टाकाक आभूषण लूटल गेल छल। घटनाक सीसीटीवी फुटेज सेहो सामने आयल छल। फुटेज मे दू आ फेर तीन अपराधी दोकान मे प्रवेश करैत देखल गेल छल। अपराधी करीब 15 मिनट धरि दोकान मे रहल आ हथियारक बल पर लूटपाट कयलक।

 

दोकान मालिक अनिल कुमारक अनुसार, अपराधी 103 पैकेट मे राखल सोना, चानी आ हीराक गहना लूटि लेने छलाह। लूटल गेल सामान मे 39 तरहक गहना शामिल छल, जाहि मे सोने के चेन, औंठी, हार, चानीक गहना आ हीरा जड़ल आभूषण छल।

न्यायालय परिसर सं फरार भेल छल आरोपित

समस्तीपुर पुलिस 9 जनवरी 2025 कें राजनंदन उर्फ छोटू कें गिरफ्तार कयने छल। मुदा न्यायालय मे पेशी लेल अनबाक दौरान ओ समस्तीपुर कोर्ट परिसर सं फरार भए गेल छल। तखनहि सं वैशाली पुलिस आ एसटीएफ ओकर खोजबीन कए रहल छल। पुलिस कें सूचना भेटल छल जे छोटू रविदिन राति अपन गाम लग मरमला चौर मे नुकायल अछि आ कोनो आपराधिक घटना करबाक योजना बना रहल अछि। सदर एसडीपीओ-1 सुबोध कुमारक नेतृत्व मे एसटीएफ आ सदर थाना पुलिसक संयुक्त टीम चौरक घेराबंदी कए छापेमारी कएलक। एहि दौरान मुठभेड़ भेल। घटनाक बाद एसएसपी शुभांक मिश्र आ सदर एसडीपीओ-1 सुबोध कुमार घटनास्थल पर पहुंचलाह। एफएसएल टीम सेहो पहुंचि साक्ष्य जुटौलक। पुलिस घटनास्थल सं हथियार सेहो बरामद कयलक अछि।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

मुजफ्फरपुर मे पीएनजी गैस पाइपलाइन फटला सं भीषण विस्फोट, एक व्यक्तिक मृत्यु, कतेको घायल

Next

नगर परिषदक वार्ड-20 मे सड़क निर्माण पर बवाल, घंटों चलैत रहल हंगामा

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech