Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

मुजफ्फरपुर मे पीएनजी गैस पाइपलाइन फटला सं भीषण विस्फोट, एक व्यक्तिक मृत्यु, कतेको घायल

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 3 Min Read
Comments Off on मुजफ्फरपुर मे पीएनजी गैस पाइपलाइन फटला सं भीषण विस्फोट, एक व्यक्तिक मृत्यु, कतेको घायल

 

  • नाला निर्माणक दौरान जेसीबी सं भूमिगत पाइपलाइन क्षतिग्रस्त, लगपासक 10 घर मे लागल आगि

–  सुरक्षा मे लापरवाहीक गंभीर आरोप

मुजफ्फरपुर, समदिया

मुजफ्फरपुर मे सोमदिन एकटा भीषण दुर्घटना भेल। सदर थाना क्षेत्रक गोबरसही-डुमरी इलाका मे नाला निर्माणक दौरान जेसीबी मशीन सं खुदाइ करबाक क्रम मे पीएनजी गैस पाइपलाइन क्षतिग्रस्त भए गेल। पाइपलाइन सं गैस रिसाव होइत रहल आ किछु देर बाद जोरदार विस्फोट भेल। एहि दुर्घटना मे एकटा बटोहीक मृत्यु भए गेल, जखन कि 10 सं बेसी लोक घायल भेलाह। विस्फोटक तीव्रता एहन छल जे लगपासक करीब 10 घर मे आगि लागि गेल।

धमाका एतेक जोरदार छल जे इलाका मे चीख-पुकार मचि गेल। लोक अपन जान बचाबय लेल एतय-ओतय भागय लगलाह। आगिक चपेट मे आबि एकटा थार गाड़ी, डाक विभागक डाक पार्सल वैन आ करीब आधा दर्जन मोटरसाइकिल जरि गेल। नाला निर्माण मे लागल जेसीबी मशीन सेहो जरि कए राख भए गेल। लगपासक कतेको घर आ देबार क्षतिग्रस्त भए गेल।

जानकारीक अनुसार, जेसीबी सं खुदाइ करबाक क्रम मे भूमिगत पीएनजी पाइपलाइन टूटि गेल छल। एकर बाद गैस रिसाव शुरू भए गेल। स्थानीय लोकक कहब अछि जे करीब डेढ़-दू घंटा धरि गैस निकलैत रहल, मुदा समय रहैत कोनो प्रभावकारी डेग नहि उठाओल गेल। एहि दौरान गैस मे आगि पकड़बाक बाद भीषण विस्फोट भए गेल।

पीड़ित परिवारक घर आ दोकान क्षतिग्रस्त

विस्फोट मे घर क्षतिग्रस्त भेल प्रमोद कुमार कहलनि जे ओ रातिये जेसीबी कर्मी सभ कें एहि ठाम खुदाइ नहि करबाक लेल कहलनि। मुदा राति मे लोक चलि गेलाह आ भोरे फेर खुदाइ शुरू कए देलनि। करीब दू घंटा धरि गैस रिसाव होइत रहल। ओ कहलनि जे दू वर्ष पहिने बैंक सं कर्ज लए मकान बनौने छलाह आ ओतहि दोकान सेहो खोलने छलाह। विस्फोट मे घर आ दोकान दुनू क्षतिग्रस्त भए गेल। प्रमोद कुमारक अनुसार, गैस निकलैत देखि परिवारक लोक घर छोड़ि बाहर आबि गेलाह। हुनकर कहब छलनि जे जं सभ घरक भीतर रहितथि तं पैघ जनहानि भए सकैत छल।

जेसीबी चालक कें पाइपलाइन संबंधी नहि देल गेल छल कोनो जानकारी

स्थानीय चंदन कुमार एहि दुर्घटनाक लेल निर्माण कार्य मे लापरवाही कें जिम्मेदार ठहरौलनि। हुनकर कहब छलनि जे जेसीबी चालक कें पाइपलाइनक संबंध मे उचित जानकारी देबाक लेल कोनो जिम्मेदार व्यक्ति उपस्थित नहि छल। विस्फोटक बाद आगि लागल आ चारि लोकक घर पूर्ण रूपें बर्बाद भए गेल। एकटा आर स्थानीय विवेक कुमार कहलनि जे गैस रिसावक सूचना रहितो समय पर कोनो कारबाइ नहि भेल। हुनकर अनुसार, एहि दुर्घटना मे 10-15 लोक घायल भेलाह। किछु लोक नाला मे फंसल रहबाक आशंका सेहो जताओल गेल।

प्रशासन आ अग्निशमन दल राहति कार्य मे जुटल

घटनाक सूचना भेटिते पुलिस आ अग्निशमन दलक टीम घटनास्थल पर पहुंचल। तीनटा दमकल गाड़ी आगि मिझेबाक काज मे लागल। घायल कें अस्पताल पठाओल गेल। एसडीएम उत्सव आनंद कहलनि जे गैस रिसावक कारणें दुर्घटना भेल अछि। घायलक उपचार चलि रहल अछि आ घटनाक जांच कयल जा रहल अछि। जिला अग्निशमन अधिकारी प्रज्ञा शरणक अनुसार, सूचना 12 बजकर 24 मिनट पर भेटल छल आ तीन मिनटक भीतर अग्निशमन दलक गाड़ी घटनास्थल पर पहुंचि गेल छल। गैस पाइपलाइनक आपूर्ति पहिनहि बंद करा देल गेल छल। हुनकर कहब छलनि जे आगि पर पूर्ण रूपें काबू पाबि लेल गेल अछि आ स्थिति नियंत्रण मे अछि।

निष्पक्ष जांच आ दोषी पर कारबाइक मांग

केंद्रीय जलशक्ति राज्य मंत्री आ मुजफ्फरपुरक सांसद डॉ. राजभूषण चौधरी निषाद दुर्घटना पर गहींर दुख व्यक्त कयलनि। ओ जिला प्रशासन आ संबंधित एजेंसी सभ कें राहति-बचाव कार्य तेज करबाक, घायल सभ कें नीक चिकित्सा सुविधा देबाक आ प्रभावित परिवार कें तत्काल सहायता उपलब्ध करेबाक निर्देश देलनि। सांसद निष्पक्ष जांच पर जोर दैत कहलनि जे जं सुरक्षा मानकक अनदेखी अथवा कोनो स्तर पर लापरवाही प्रमाणित होइत अछि तं संबंधित दोषी सभक विरुद्ध कठोर कारबाइ होमक चाही।

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Tags:

#MaithiliNews
Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

निर्दलीय एमएलसी सभक भाजपा मे शामिल होयबा पर एनडीए मे घमासान

Next

वैशाली मे 2 करोड़क आभूषण लूटक आरोपीक इनकाउंटर, दहिना पैर मे लागल गोली

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech