Skip to content
-
Subscribe to our newsletter & never miss our best posts. Subscribe Now!
Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

Samadiya Mithila Samadiya Mithila Samadiya Mithila

Mithila News Portal - समदियाक संग,मिथिलाक रंग

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट
Close

Search

बिहार

निर्दलीय एमएलसी सभक भाजपा मे शामिल होयबा पर एनडीए मे घमासान

Avatar
By Samadiya Mithila
November 2, 2026 2 Min Read
Comments Off on निर्दलीय एमएलसी सभक भाजपा मे शामिल होयबा पर एनडीए मे घमासान

 

 

  • जदयू पूछलक, 6 वर्ष लेल निष्कासित नेता 15 दिन मे कोना भेलाह शामिल? जनसुराजक नेता विधान परिषदक सभापति सं करताह भेंट

पटना, समदिया

बिहार विधान परिषद चुनावक परिणाम अबिते एनडीएक दू प्रमुख घटक दल जदयू आ भाजपा बीच तनाव बढ़ि गेल अछि। सारण शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र सं निर्दलीय जीतल राहुल राज आ तिरहुत स्नातक निर्वाचन क्षेत्र सं विजयी बंशीधर ब्रजवासी भाजपा मे शामिल भेलाह। एहि मामिला पर जदयू सवाल उठौने अछि। जदयू प्रदेश अध्यक्ष उमेश कुशवाहा राहुल राजक भाजपा मे वापसी पर आपत्ति जतबैत कहलनि जे जाहि व्यक्ति कें पार्टी 6 वर्ष लेल निष्कासित कयने छल, हुनका मात्र 15 दिनक भीतर कोन परिस्थिति मे फेर शामिल कयल गेल? भाजपा आ ओकर शीर्ष नेतृत्व कें एहि विषय पर गंभीरता सं विचार करबाक चाही।

निर्दलीय सदस्य राजनीतिक दल मे शामिल भए सकैत छथि?

पूर्व मंत्री आ जदयू विधायक श्याम रजक कहलनि जे निर्दलीय सदस्य कें समर्थन देबाक अधिकार कोनो राजनीतिक दल कें अछि। मुदा निर्दलीय प्रत्याशी चुनाव जीतलाक बाद कोनो राजनीतिक दलक सदस्य नहि बनि सकैत छथि। जं दुनू एमएलसी भाजपा मे शामिल भेल छथि तं ई अनैतिक आ गलत अछि। एहि बीच जनसुराजक एकटा प्रतिनिधिमंडल दुनू नव निर्वाचित एमएलसीक भाजपा मे शामिल होयबाक मामिला पर विधान परिषदक सभापति सं भेंट करत।

राजदक व्यंग्य– भाजपा पर निर्भर भएगेल अछि जदयू

राजद प्रवक्ता शक्ति यादव एहि मामिला पर जदयू पर कटाक्ष कयलनि। ओ कहलनि जे जे जदयू पहिने भाजपा कें आंखि देखबैत छल आ राजदक सहारा लैत छल, आइ ओ गठबंधन धर्मक पालन करबाक दुहाइ दए रहल अछि। हुनकर आरोप छलनि जे आब जदयू भाजपा पर निर्भर भए गेल अछि आ ओकर राजनीतिक अस्तित्व भाजपाक कृपा पर टिकल अछि। ओमहर, बंशीधर ब्रजवासी शनिदिन भाजपा मे शामिल भेलाक बाद देर राति वीडियो जारी कए सफाइ देलनि। ओ कहलनि जे मुख्यमंत्री सं भेंट करबाक लेल गेल छलाह, भाजपा मे शामिल नहि भेल छलाह। हुनकर एहि बयानक बाद एनडीए मे विवाद आर बढ़ि गेल अछि।

जदयू प्रत्याशी सेहो उठौलनि सवाल

 

सारण शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र सं जदयू प्रत्याशी रहल आनंद पुष्कर राहुल राजक भाजपा मे शामिल होयबा पर रोष जतौलनि। ओ सोशल मीडिया पर पोस्ट कए भाजपा नेता सभ पर सवाल उठौलनि जे गठबंधन धर्मक पालन मात्र जदयूए करत? उल्लेखनीय अछि जे सारण शिक्षक सीट पर निर्दलीय राहुल राज जदयू प्रत्याशी आनंद पुष्कर कें पराजित कयने छलाह। ओतहि तिरहुत स्नातक सीट पर निर्दलीय बंशीधर ब्रजवासी जदयू प्रत्याशी अभिषेक झा कें हरौने छलाह।

 

Share this News Post:

  • Post
  • Share on WhatsApp (Opens in new window) WhatsApp
  • Print (Opens in new window) Print

Related

Avatar
Author

Samadiya Mithila

Follow Me
Other Articles
Previous

जीतलौं तं लोकतंत्रक जीत, हारलौं तं लोकतंत्र खतरा मे : नितिन नवीन

Next

मुजफ्फरपुर मे पीएनजी गैस पाइपलाइन फटला सं भीषण विस्फोट, एक व्यक्तिक मृत्यु, कतेको घायल

Recent News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

आजुक ई पेपर

  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 08-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 7-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 6-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 5-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 04.11.2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 3-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 2-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 1-11-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 31-10-2026
  • आजुक ई पेपर
    कृपया एतय क्लिक करी 30-10-2026
WordPress Carousel

Quick Links

  • मिथिला
  • बिहार
  • ईपेेपर
  • राजनीति
  • कृषि
  • शिक्षा
  • रोजगार
  • संस्कृति
  • स्वास्थ्य
  • खेल
  • देश-दुनिया
  • विशेष रिपोर्ट

Latest News

  • आजुक ई पेपर
  • जहानाबाद मे पुलिस जवानक हत्या, दरधा नदी मे भेटल शव; 4 आरोपी गिरफ्तार
  • मिथिलाक दीपावली: आइयो जीवंत अछि उल्का भ्रमणक परंपरा
  • आजुक ई पेपर
  • पटना मे मुठभेड़, पैक्स अध्यक्ष हत्याकांडक 3 आरोपी मारल गेल

Subscribe to Blog via Email

Enter your email address to subscribe to this blog and receive notifications of new posts by email.

Copyright 2026 — Samadiya Mithila. All rights reserved. Developed by Worddss Infotech